अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन जनकपुर मे शुरू

    0
    551

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः एक दिस मौसम अपन न्यूनतम पारा कें छुवाक लेल अग्रसर अछि त दोसर दिस भारत ओ नेपाल मे एक के बाद एक भ रहल मिथिला-मैथिलीक आंदोलन निश्चित रूपहि मैथिली आंदोलन कें साकारात्मक गति देवाक लेल कारगर सिद्ध भ रहल अछि। दिल्ली, मुंबई, गुआहाटी, कोलकाता, हैदराबाद, गांधीनगर, अहमदाबाद, पटना सहित भारतक अनेकानेक शहर मे प्रवासी मैथिल पूत लोकनि मिथिला, मैथिलीक विभिन्न कार्यक्रम क मिथिला आंदोलन कें जियेवाक कोशिश कें सतत् लागत छैथ त दोसर दिस नेपाली मिथिला मे सेहो एक कें बाद एक उत्कृष्ट कार्यक्रम सं मिथिला आंदोलन कें बल भेट रहल अछि। शनिदिन नेपालक विराटनगर मे प्रवीण नारायण चैधरीक अगुआई मे संपन्न भेल विराट ‘विद्यापति समारोह’ ओ मैथिली आंदोलनक बाद आब जनकपुर मे अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन 22 दिसंबर सं शुरू भेल।

    मिथिला, मैथिली आंदोलनक युवा एवं प्रखर चेहरा आ मिथिला मिरर’क नियमित स्तंभकार प्रवीण नारायण चौधरी मिथिला मिरर कें जानकारी दैत कहलनि जे कार्यक्रमक शुभारंभ विधिवत रूप सं नेपालक महामहिम डा. रामवरण यादव द्वारा दीप प्रज्वलित क कैलनि। संगहि कार्यक्रमक संयोजन राम भरोस कापडि़ ‘भ्रमर’ क रहला अछि त अध्यक्षता समकालीन मैथिली आंदोलनक जनक डा. वैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ क रहल छैथ। सम्मेलन कें सफल बनेवाक लेल भारत ओ नेपाल सं एक सं एक विद्वान, राजनेता ओ मिथिला, मैथिली अभियान सं जुड़ल सेनानी सब पहुंचला अछि। हाड़, मास गलबै वला जाड़क बावजूदो जनकपुर मे उपस्थित मैथिल समाज कें कुंज बिहारी मिश्र ओ अन्य कलाकार लोकनि अपन आवाज सं नव ऊर्जा द रहला अछि त दोसर दिस किसलय कृष्णक शब्द रूपी गोटी अहि ठंढ़ा कें चीर आंदोलनी लोकनि कें नव गति प्रदान क रहल अछि। कार्यक्रम पूर्ण रूप सं अपन जुआनी पर अछि मुदा स्वास्थ्य प्रतिकूल रहलाक कारणें प्रवीण नारायण चौधरी अहि अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन मे अपन उपस्थिति दर्ज नहि करा सकला जाहिक जानकारी डा. वैद्यनाथ चौधरी बैजू कें द देल गेलनि।