चोरी के मोटरसाइकिल संग तीन गोट अपराधी गिरफ्तार

    0
    282

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के लहेरियासराय पुलिस सोमदिन चोरी के मोटर साइकिलक संग तीन गोट युवक के गिरफ्तार केलक अछि। जाहि मे लहेरियासराय थाना क्षेत्रक अब्दुल्ला गंज निवासी  मो. अशफाक अंसारी के पुत्र मो. शहनवाज़, दुमदुमा मुहल्ला के मो. गुलाबक पुत्र मो मोनाजिर, मो नासिर के पुत्र मो. आदिल शामिल अछि। थानाध्यक्ष जेपी सिंह के अनुसार बेता मोहल्ला के मो फजेउद्दीन के हीरो होंडा कम्पनी के मोटर साइकिल (बीआर07एल -3171) के चोरी 25 सितम्बर कय अब्दुल्ला गंज मोहल्ला सं भेल छल।

    सड़क पर गाड़ी ठाढ कय फजेउद्दीन अप्पन रिश्तेदार सं भेंट करय गेल छल, अहि बीच गाड़ी चोरी भय गेल। ओ कहलनि जे, सोमदिन दुपहर मे वाहन मालिक ओहि मोहल्ला मे जा रहल छल। अहि बीच उक्त मोटर साइकिल पर चढ़ल तीन गोट युवक गाड़ी लय कय जा रहल छल। ओ अप्पन गाड़ी के चिन्ह गेल।
    फजेउद्दीन हल्ला कय मोहल्लावासी के मददि सं गाड़ी समेत लड़का के पकड़ि लेलक आ पुलिस के सूचना देलक। गाड़ी के नंबर प्लेट बदलल छल। मुदा गाड़ी के चेचिस नंबर कागजात सं मेल केलाक बाद गाड़ी फजेहुद्दीन के निकलल। थानाध्यक्ष सिंह के अनुसार पूछताछक क्रम मे तीनू अप्पन जुर्म स्वीकार केलक अछि।