विधुत विभागक बहाली रोकबाक लेल ‘तकनीकी छात्र संगठन’ केलक रेल चक्का जाम

    0
    294

    पटना, मिथिला मिरर-गुलफ़राज़: बिहारक इंजीनियरिंग एवं पॉलीटेक्निक के छात्र बिहार विद्युत विभाग द्वारा प्रकाशित रिजल्ट (J.E एवं आईटी मेनेजर) मे घोटालेबाजीक विरुद्ध परीक्षा रद्द करबाक मांग लय राजेंद्रनगर टर्मिनल पर तकनीकी छात्र संगठन के बैनर तर रेल चक्का जाम कय आक्रोश प्रकट केलक। जाहि सं बहुतो ट्रेनक परिचालन घंटो धरि बाधित रहल। संगहि बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हाय हाय के नारा लगाओल गेल आ बिहारक ऊर्जा मंत्री विजेंद्र यादव के इस्तीफाक मांग कायल गेल।

    अहि सं पूर्व छात्र विभागीय मंत्रीक आवासक घेराव केने छल। छात्रक आरोप अछि जे, एक दिस जाँचक आदेश देल जा रहल अछि आ दोसर दिस बहालीक प्रकिया तेज कायल जा रहल अछि। छात्रक मांग अछि जे, जाँच कमिटी द्वरा रिपोर्ट ऐबा तक बहाली रोकल जाय आ बहाली के रद्द कय पुनः परीक्षा लेल जाय।

    अहि दौरान तकनीकी छात्र संगठन के अध्यक्ष विशाल कुमार रामदीप, सौरव पटेल, रंजन, पवन यादव, एवं जन अधिकार पार्टीक गौतम आनंद यादव, ओमप्रकाश आदि सैकड़ो छात्र मौजूद छल। रेल चक्का जाम करैत समय राजेंद्रनगर रेल पुलिस किछु छात्र के गिरफ्तार केलक। पुलिसक उदाशीनता के देखैत 20 छात्र स्वं गिरफ़्तारी देलक।