भागलपुर मे जमायक संग साउस फरार, कानि रहल अछि बेटी

    0
    328

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहारक भागलपुर जिला मे प्रेम-प्रसंगक एकटा अजीब मामला प्रकाश मे आयल अछि। भागलपुर के सबौर थाना अंतर्गत धनकर गाम मे एकटा जमाय अप्पन साउस के भगा लय गेल। जकर बाद अहि प्रेम प्रसंगक चर्चा चारू कात पसरि गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार अहि प्रेमक खुलासा तहन भेल जहन साउस अप्पन घर स गायब भय गेल त महिलाक पति अप्पन पत्नीक खोजबीन केलक मुदा महिला नहि भेटल। जाहि के बाद ससुर अप्पन बेटी स अहि बात के साझा केलक त पता चलल जे, बेटीक पति तथा महिलाक दामाद पिंटू उर्फ योगेंद्र सिंह सेहो घर स गायब अछि। जाहि के बाद पूरा मामला सामने आबि गेल।

    घटनाक जानकारी भेटतहि सब ग्रामीण आ रिश्तेदार आवक रही गेल। सबहक यैह कहब अछि जे, हमरा सब के कखनहु ने शंका भेल जे, साउस आ जमाय मे एहेन भय सकैत अछि। बहरहाल घटनाक विषय मे ससुर मेदी अप्पन जमाय आ पिंटू समेत अन्य अज्ञातक खिलाफ पत्नीक अपहरण के मामला दर्ज करौलक अछि।