भारत के परमाणु संपन्न देश बनौलनि वाजपेयी : संजय सरावगी

    0
    268

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: रविदिन भारतीय जनता पार्टी दिस सं पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी के 92’म जन्म दिवस के जगह-जगह सुशासन दिवसक रूप मे मनाओल गेल। दरभंगा नगर इकाई द्वारा शिवाजीनगर मोहल्ला स्थित कालीस्थान मे आयोजित समारोहक संबोधन मे विधायक संजय सरावगी कहलनि जे, वाजपेयी भारते नहि विश्व के नेता मे सुमार छथि। वाजपेयीक कार्यकालक चर्चा करैत ओ कहलनि जे, अहि कालखंड मे मैथिली भाषा के अष्टम सूची मे शामिल कायल गेल।

    ओ कहलनि जे, हुनकर कार्यकाल मे निर्मली-भपटियाही महासेतु, इस्ट-वेस्ट कोरीडोरक निर्माण कराओल गेल। ओतहि पोखरण मे परमाणु विस्फोट करा कय भारत के परमाणु देश मे शामिल कायल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्ष्ता नगर अध्यक्ष प्रमोद शरण साहु केलनि।

    अहि अवसर पर लक्ष्मण झुनझुनवाला, दिलीप पासवान, रंजीत चौधरी, रामबाबू साह, सुरेश शर्मा, प्रमोद साह, पिताम्बर पूर्वे, मीना झा, विनोद साह, उदय शर्मा, बबलु पाठक, पप्पु चौबे, मंटु पटेल, इन्द्रदेव साह, रवि कुमार चंद्रवंसी, सदाब अंजुम, सरोज मिश्रा, मुन्ना ठाकुर, मुन्ना महासेठ, गुड्डु मंडल, दिपक महतो, मदन लाल केवट, अरूण साह, राजेश पूर्वे, लाला सहनी, मनोज सहनी, राम दयाल साह, लक्ष्मण भगत, राजकुमार सहनी, भरत सहनी, संगीत, मनोज महतो, अशीम मुखर्जी, विजय पासवान आदि अप्पन विचार रखलनि।