एलएनएमयू’क कुलपति के तानाशाही रवैयाक खिलाफ धरना प्रदर्शन

    0
    274

    दरभंगा, मिथिला मिरर: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय कुलपति के तानाशाही रवैयाक खिलाफ तथा विश्वविद्यालय परिसर मे असमाजिक तत्व के संरक्षण देबाक खिलाफ अभिभावक मंचक बैनर तर बृहस्पति दिन दर्जनो धरनार्थी आईजी कार्यालयक समक्ष एक दिवसीय धरना देलनि।

    अभिभावक मंच द्वारा आरोप लगाओल गेल अछि जे, हालही मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति साकेत कुशवाहाक इशाररा पर कुलपति के तथाकथित लठैत द्वारा छात्र समागम के छात्रक संग मारि पीट करैत आईएसआई के एजेंट कहि क गाली-गलौज कायल गेल, जाहि के बाद छात्र द्वारा चरणबद्ध आंदोलन चलाओल जा रहल अछि।

    अहि क्रम मे अभिवावक मंचक तर तानाशाह कुलपतिक खिलाफ आ दरभंगा आईजी के समक्ष अभिभावक मंचक बैनर तर धरना देल गेल। धरनार्थीक कहब छल जे, जा धरि ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति साकेत कुशवाहा इस्तीफा नहि देताह आ जिला प्रशासन द्वारा कुलपतिक लठैतक गिरफ़्तारी नहि होयत ता धरि आंदोलन जारी रहत।