जुलाई सं शुरू होएत दरभंगा संस्कृत विविमे व्यवसायिक पाठयक्रम

    0
    463

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सोमदिन कासिदसंविविमे कुलपति डॉ. विद्याधर मिश्र’क अध्यक्षतामे व्यावसायिक शिक्षा परामर्शदातृ समिति’क 8 ‘म बैसक कएल गेल। जाहिमे बहुतरास अहम फैसला लेल गेल। अहिमे व्यावसायिक पाठ्यक्रमक पहिल जुलाई सं शुरूआत करबा पर सदस्यक सहमति बनल। अहिक लेल जरूरी प्रक्रिया 15 जून सं आरम्भ कएल जाएत। ओतहि सीसीए कोर्सक शुल्कमे कमी करैत तीन हजार रुपैया करबाक निर्णय लेल गेल। फिलहाल ई शुल्क पांच हजार अछि।

    ओतहि अस्वस्थताक कारण व्यावसायिक शिक्षा निदेशकक जिम्मेदारी सं मुक्त करबा सम्बंधी निशिकांत प्रसाद सिंह’कें अनुरोध मानि लेल गेल तथा नव निदेशकके रूपमे प्रधानाचार्य डॉ. प्रभाष चन्द्रकें अतिरिक्त कार्यभार देल गेल। ओ कालेजक काजक अलावा इहो जिम्मेदारी सम्हारता।