नीतीश कैबिनेट मे ‘पटना महानगर’ प्लान 2031 मंजूर

    0
    294

    पटना, मिथिला मिरर: सुझाव आ शिकायतक निपटारा के बाद नीतीश कैबिनेट पटना महानगर प्लान 2031 के मंजूरी दय देलक अछि। महानगर प्लान मे बिहटा वासी के बेसी फायदा होयत। मास्टर प्लान मे बिहटा मे एयरफोर्स एयरपोर्ट के संयुक्त रुप सं प्रयोग करबा के सैद्धांतिक सहमति भेट गेल। अहि एयरपोर्टक उपयोग सेना के संग-संग कॉमर्सियल सेहो कायल जा सकत।

    एतय पैघ हवाई जहाजक लैंडिंग होयत जहन कि पटना के वर्तमान एयरपोर्ट पर मात्र छोट विमान उतरैत अछि। मास्टर प्लान मे पटना के आसपासक क्षेत्र के जोड़बा लेल सेहो जगह राखल गेल अछि। बृहस्पति दिन साँझ मे कैबिनेटक बैसक मे कुल 19 एजेंडा पर मोहर लगाओल गेल।

    कैबिनेट, मॉडल विधायक आ आवास भवन के अलग-अलग टेंडर करबाक मंजूरी देलक। हालांकि ई फैसला टेंडर जारी करबाक बाद देल गेल अछि। बिहार मे प्रकाशोत्सव पर खर्च करबाक लेल 48.54 करोड़ रुपैयाक अग्रिम निकासी के सेहो मंजूरी देल गेल।

    अहि राशि सं शहर के तीन हिस्सा मे प्रकाशोत्सव मे आबय वला लोक के लेल ठहरबाक टेंट आदि बनाओल जायत। राज्य सरकार बिहार राज्य फुटपाथ विक्रेता अधिनियम 2012 के निरस्त कय देलक अछि। सरकार ई फैसला केन्द्र द्वारा अहि योजना के लागू करबाक बाद लेलक अछि।