पटना-इंदौर एक्सप्रेस कानपुरमे दुर्घटनाग्रस्त, कम सं कम 91 के मौत 200 सं ज्यादा घायल

    0
    379

    दिल्ली-मिथिला मिररः उत्तर प्रदेश के कानपुर केर पुखरायांमे पटना-इंदौर एक्सप्रेस भीषण रूप सं दुर्घटनाग्रस्त भए गेल। भोरे करीब 3 बाजि कऽ 10 मिनट पर ट्रेनक 14 गोट डिब्बा पटरी सं उतरि गेल। दुर्घटना एतेक भयावह छल जे ट्रेनक सब डिब्बा एक दोसरा पर चढ़ि गेल। वर्तमान सूचनाक अनुसार एखन तक कम सं कम 91 गोटेकें मरवाक पुष्टि भए गेल आ 200 सं बेसी लोग घायल अछि। अहि संख्यामे लगातार वृद्धि भए रहल अछि।
    केन्द्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह आ रेलमंत्री सुरेश प्रभु अहि मामला मे जांच आदेश दैत दोषीकें सजा देवाक बात कहलनि अछि। राहत आ बचावक कार्यक लेल एनडीआरएफ के जवानक संग-संग सीआरपीएफ, आरपीएफ कें संग-संग सेनाक एकटा टुकड़ी कें सेहो लगा देल अछि गेल। घायलकें कानपुर कें रेलवे हाॅस्पिटलमे इलाज चलि रहल अछि। दुर्घटना एतेक भीषण छल जाहिमे ट्रेनक डिब्बाकें गैस कटर सं काटि-काटि कऽ लोककें निकालल जा रहल अछि।
    घटनाक बाद केन्द्रक दिस सं मृतकक परिवारकें 3.5 लाख, तथा घायल कें 50 हज़ार आ आंशिक रूप सं घायल व्यक्तिकें 25 हज़ार टका देवाक घोषणा कैल गेल अछि। त राज्य सरकार सेहो अहि घटना पर चिंता जतवैत मृतकक परिवारक लेल 5-5 लाख आ घायल व्यक्तिक लेल 50-50 हजार टकाक सहायता राशि देवाक घोषणा कैल गेल अछि। घटनाक बाद स्थिति बहुत बेसी भयावह बनल अछि कारण परिवारक सदस्य एक दोसरा कें खोजवाक कोशिशमे एम्हर-ओमहर भटकि रहल छथि।