पटना, मिथिला मिरर: पटना स्थित बिहार विधान परिषद के एकटा बिल्डिंग मे शुक्रदिन आगि लागि गेल। विधान परिषद भवन के एकटा हिस्सा मे लागल आगि मे वीर कुंवर सिंह विश्वविद्यालय के जांचक लेल गठित समिति के संयोजकक कार्यालय जरि कय राख भय गेल।
जानकारी के अनुसार कार्यालय समिति के संयोजक संजीव कुमार सिंह के छलनि, जकरा वीर कुंवर सिंह विश्वविद्याल के किताब खरीद घोटाला जांचक जिम्मा देल गेल छल आ जाहि लेल समितिक दफ्तर परिषद मे बनाओल गेल छल। आगिक सूचना पर फायर ब्रिग्रेडक गाड़ी मौका पर पहुंचि कय आगि पर काबू पेलक।
परिषद के सभापति अवधेश नारायण सिंह कहलनि जे, कोनो तरहक कागजात नहि जरल अछि। सभापति आगि सं भेल नुकसानक आकलन करबाक निर्देश देलन्हि। सभापति के अनुसार आगि शार्ट-सर्किट सं लागल छल।