जेडीयू सं शरद जेताह राज्य सभा, केसी त्यागी, पवन वर्माक टिकट कटलनि

    0
    331

    दिल्ली-मिथिला मिररः जेना कि पहिने तय भेल छल कि शरद यादव जेडीयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष पद नीतीश कुमारक लेल छोड़ता आ ओहिकें प्रतिफल शरद यादवकें राज्य सभा सीटक रूपमे भेटतनि। ठीक ओहिना भेल जेना अंदर-अंदर बात तय भेल छल। जेडीयूक कोटा सं पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष आ वर्तमान राज्य सभा सांसद शरद यादवकें एक बेर फेर सं पार्टीक कोटा पर राज्य सभा भेजल जा रहल छन्हि त दोसर सीटक लेल आरसीपी सिंहक नामक फैसला कैल गेल अछि।

    ओम्हर विधान परिषद सदस्यक लेल घोषित 2 गोट सीट पर सीपी सिंह आओर वर्तमान राज्य सभा सांसद गुलाम ररूल बलियावीक नामक निर्णय कैल गेल अछि। एहन तरहक चर्चा छल जे मुस्लिम चेहराक रूपमे गुलाम ररूल बलियावीकें एक बेर फेर सं राज्य सभा भेजल जेतनि मुदा एहन नहि भेल। बलियावी कें हुनका पद सं अवनति करैत हुनका राज्य सभा सांसद सं विधान पाषर्द बनाओल जा रहल छन्हि।

    ओमहर पार्टीक राष्ट्रीय महासचिव आ टीवी पर पार्टीक पक्ष रखनिहार वरिष्ठ नेता केसी त्यागी आ पार्टी प्रवक्ता एवं पवन कुमार वर्माक राज्य सभा टिकट काटल गेलनि। इ दुनू नेता अहि उम्मीदमे छलाह जे पार्टी एक बेर फेर सं हुनका राज्य सभाक लेल नामांकित करतनि मुदा एना भऽ नहि सकल।