सैकड़ो बोतल शराबक संग दू गोट कारोबारी गिरफ्तार

    0
    264

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा पुलिस शनिदिन पैघ मात्रा मे शराब जब्द केलक अछि। अशोक पेपर मिल थाना के होरलपट्टी आ विश्वविद्यालय थाना के कादिराबाद स बोरा मे बंद 200 बोतल शराब पकड़ल गेल अछि। एपीएम थाना के सुमीत यादव समेत दू गोटे के हिरासत मे सेहो लेल गेल अछि। पुलिस छापामारी कय दोकान आ घर मे राखल शराब बरामद केलक अछि।

    एएसपी दिलनवाज अहमद विश्वविद्यालय थाना मे पत्रकार सं बातचीत मे कहलनि जे, जिला मे एखनहु बेसी तादाद मे बंगाल शराब आनल जा रहल अछि। जाहि के लेल दरभंगा पुलिस टीम बनाकय लगातार छापामारी कय रहल अछि। किछु दिन पहिने एटीएम कैश वैन सं सैकड़ो कार्टून शराब बरामद भेल छल।