होमगार्ड’क जवान निकाललक न्याय मार्च, यातायात व्यवस्था ठप

    0
    244

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मांगकें लए आंदोलनरत होमगार्डक जवान सोमदिन न्याय मार्च निकालि प्रदर्शन केलक। कर्पूरी चौक सं बेंता होईत सौकड़ो जवान लहेरियासराय टावर, लोहिया चौक मार्गक मार्च कय समाहरणालय घरना स्थल पहुंच कए धरना देलक। न्याय मार्चक दौरान आक्रोशित जवान सरकारक खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलक।

    अहि आदोलन सं लहेरियासराय-दरभंगा वीआईपी मार्ग पर घंटो यातायात व्यवस्था ठप रहल। जाहि सं लोककेँ काफी परेशानी उठाबय पड़ल। हालांकि, होमगार्डक जवान आम लोककें भए रहल परेशानीके कारण खेद सेहो प्रकट केलक अछि। समाहरणालय धरना स्थल पर आयोजित सभाकें संबोधित करैत जिलाध्यक्ष विष्णुदेव सिंह, सचिव दरोगा राय, कोषाध्यक्ष रामविलास यादव कहलनि जे, सरकार सर्वोच्च न्यायालयके फैसलाकें नहि मानि रहल अछि। एहेन स्थितिमे होमगार्डक जवान सरकारक आदेशकें मानबा सं मना कय रहल अछि।

    ओ अहि आंदोलनकें आर-पारक लड़ाई बतौलनि। ओ कहलनि जे, आब हमर जवान सब चौक-चौराहा पर धरना देत। सरकारक दोहरी नीति’क कारण विधि व्यवस्था सहित बहुतो सरकारी कार्यालयकें सुरक्षा पूर्णत: प्रभावित अछि। जवानक हड़ताल पर गेला सं ट्रैफिक, उत्पाद विभाग, संचार विभाग, संग्रहालय, डाक विभाग आदि कार्यालयकें सुरक्षा भगवान भरोसे अछि।