मधुबनी मे हरियाणा निर्मित शराबक तस्करी मे तीन गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    274

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहारक मधुबनी जिला मे पुलिस शराबक पैघ खेप बरामद केलक अछि। मामला जिलाक झंझारपुर सं जुड़ल अछि। इलाकाक रूद्रपुर थाना क्षेत्रक महरैल गाम सं पुलिस वाहन चेकिंग के दौरान भारी मात्रा मे हरियाणा निर्मित शराब बरामद केलक अछि। पुलिस वाहन चेकिंग के दौरान रॉयल स्टैगक 241 बोतल शराब बरामद केलक, संगहि तीन गोट शराब तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि।

    झंझारपुर के एएसपी निधी रानी कहलनि जे, पुलिस एकटा व्यक्तिक निशानदेही पर इलाका मे छापा मारने छल, अहि दौरान पकड़ल गेल तस्कर के संग सं दू हजारक 22 टा नोट समेत 46 हजार रुपैया आ दू टा मोटरसाइकिल बरामद भेल अछि।

    अहि विशेष छापेमारी अभियानक नेतृत्व एएसपी निधि रानी केलनि, जाहि मे झंझारपुर आ रुद्रपुरक पुलिस शामिल छल।