मधेनुर प्रखण्ड मे 38 गोट सड़क बनेबाक लक्ष्य: गुलाजार देवी

    0
    362

    मधुबनी,मिथिला मिरर: फुलपरास के विधायक गुलाजार देवी सोमदिन पुरान बस स्टैण्ड सं चूड़ी बाजार तक जाय वला सड़कक शिलान्यास केलनि। ग्रामीण कार्य विभाग के तहत बनय वला अहि सड़कक लम्बाई लगभग 585 मीटर अछि। जकर लागत 40 लाख के आसपास अछि। अहि अवसर पर विधायक कहलनि जे, ई सड़क मुख्यमंत्री ग्राम सड़क सम्पर्क योजना के तहत बनाओल जा रहल अछि। ओतहि, दोसर दिस सात निश्चय के तहत मधेनुर प्रखण्ड मे कुल 38 सड़क बनेबाक लक्ष्य राखल गेल अछि।

    अहि अवसर पर विधायक गुलजार देवी के अलावा पूर्व विधायक देवनाथ यादव, ग्रामीण कार्य विभाग के कनीय अभियंता अशोक कुमार, सहायक अभियंता मनोज कुमार, जदयू प्रखंड अध्यक्ष रमेश कुमार झा उर्फ जीबछ झा, शंभूनाथ कामत, मुमताज अंसारी, रियासत हुसैन अंसारी, सबीला खातून, हरे कृष्ण यादव, खुर्शीद आलम सहित अन्य लोक उपस्थित छलाह।