गोपालगंज शराब कांड – आठ अपराधी’क घर सील

    0
    267

    गोपालगंज, गोपालगंज मे जहरीली शराब स भेल मौतक घटनाक बाद आब धंधेबाज आ अहि घटना मे संलिप्त आरोपी के खिलाफ पुलिसक शिकंजा कसि रहल अछि। अहि कड़ी के तहत नगर थानाक खजूर बाड़ी मे जिला प्रशासन कार्रवाई करैत 8 टा घर मे के सील कय देलक। ई कार्रवाई डीएम के आदेश पर उत्पाद विभागक टीम द्वारा कायल गेल। डीएम राहुल कुमार के मुताबिक बहरहाल ओहेन 8 टा घर के सील कायल गेल अछि जे अहि शराब काण्डक मुख्य अभियुक्त छथि।

    डीएम के अनुसार रीता देवी के 2 आवासीय परिसर, छठू पासी, कन्हैया पासी, नगीना पासी, इंदु देवी, लालबाबू पासी आ बिंदा पासी के एक-एक टा आवासीय परिसर सील कायल गेल अछि। डीएम के अनुसार सील कायल गेल सब घर के जब्त करबाक आ नीलाम करबाक प्रक्रिया शुरू कय देल गेल अछि।

    गौरतलब अछि जे, गोपालगंज मे जहरीली शराब पीबाक कारने 19 लोकक मौत भय गेल छल। जहाँ कि 5 गोटे बचि गेल छलाह मुदा आन्हर भय गेल छथि। अहि घटनाक बाद नगर थाना के सभी 29 पुलिस पदाधिकारी आ कर्मचारी के सामूहिक रुपे ससपेंड कय देल गेल छल। जहाँ कि अहि अवैध शराबक धंधा मे सलिप्त 9 टा आरोपी के गिरफ्तरी भेल अछि।