पटना मे गंगा तोड़ली 22 सालक रिकॉर्ड

    0
    314

    पटना, मिथिला मिरर: गंगा आ सोननदि मे उफान स बिहारक राजधानी पटना समेत छह जिला मे बाढ़िक स्थिति बेहद गंभीर भेल अछि। गंगा पटना मे साल 1994 के जलस्तरक 22 साल पुरान रिकॉर्ड तोड़ि क तबाही मचेने छथि। सूत्रक अनुसार पटना के गांधीघाट पर भोर मे 4 बजे पानि 50.45 मीटर तक पहुंच गेल आ स्थिति खराब होबय लागल।

    एकरा बाद 5 बजे गंगाक जलस्तर सबस अधिक 50.53 मीटर तक पहुंच गेल। हालांकि राहतक बात अछि जे, 6 बजे जलस्तर मे सुधार होइत पानि 50.52 तक पहुँचल। अहि सं पहिने करीब 11 बजे गंगाक जलस्तर 50.40 मीटर रिकार्ड कायल गेल छल। गंगा मे जलस्तर 41 साल पुरान यानि 1975 के करीब पहुंच गेल अछि।

    छपरा, बक्सर आ मोकामा स राजधानी के जोड़य बला तीन टा राष्ट्रीय राजमार्ग पर बाढ़िक पानि बहि रहल अछि। सरकार शनिदिन हाई अलर्ट घोषित कय सेना आ वायुसेना स तैयार रहबाक लेल कहलक।बिहार सरकार के दवाब के बाद केंद्र सरकार फरक्का बराजक सब 104 गेट खोलि देलक अछि। शहर मे पानि नहि घुसय ताहि लीला गंगा मे जाय बला सब नाला बंद कय देल गेल अछि।

    गौरतलब अछि जे, 1994 मे गंगाक जलस्तर 50.27 मीटर छल, जे फिलहाल 50.45 धरि पहुंच गेल।1975 मे भीषण बाढ़ि आयल छल जाहि समय गंगाक जलस्तर 52.52 मीटर रिकॉर्ड कायल गेल छल। बाढ़ि के गंभीर हालत के देखैत चेन्नई स NDRF के टीम पटना एयरपोर्ट पर पहुँच चुकल अछि। NDRF के कुल 5 टीम मे 250 लोक शामिल अछि।