‘बीएसपीएचसीएल’ परीक्षा मे गड़बड़ी के कारण छात्रक प्रदर्शन

    0
    275

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार स्टेट पावर हॉल्डिंग कॉरपोरेशन लिमिटेड (बीएसपीएचसीएल) के जेई’क परीक्षा मे गड़बड़ी के खिलाफ छात्र पॉलीटेक्निक कॉलेज मे हंगामा केलक। मुख्य प्रवेश द्वार के बंद कय प्रदर्शन केलक अछि। परीक्षा मे गड़बड़ीक जांच नहि भेला पर उग्र आंदोलनक चेतावनी देल गेल अछि। बिहार पॉलिटेक्निक छात्र संघक आह्वान पर आंदोलन कायल गेल छल। हंगामा के कारण पठन-पाठन व अन्य कार्य प्रभावित रहल।

    बताओल गेल अछि जे, डिप्लोमा के बजाय बीटेक के छात्र के लेल जा रहल अछि। सरकारक अहि नीति स डिप्लोमाधारी के नौकरी नहि भेटत छात्रक कहब छल जे, बीएसपीएचसीएल कनीय अभियंता पद पर बहाली के लय परीक्षा भेल अछि। कनीय अभियंताक पद डिप्लोमा उत्तीर्ण छात्रक लेल अछि। जहन कि परीक्षा मे बीटेक वला छात्रक रिजल्ट भेल अछि। छात्र ऊर्जा मंत्री स परीक्षा मे गड़बड़ीक जांच व रद्द करबाक मांग केलक अछि।