बिहार मे सेहो डेंगू आ चिकनगुनियाक प्रकोप, 150 स अधिक लोक बीमार

    0
    256

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना आ आसपासक इलाका मे डेंगू के कहर लगातार जारी अछि। शहर मे सब दिन डेंगू स पीड़ित नव-नव मरीज भेटि रहल अछि। प्रदेश मे एखन धरि 150 स अधिक डेंगूक मरीज पाओल जा चुकल अछि। पटना सिटी के अगमकुआं स्थित नालंदा मेडिकल कॉलेज एवं अस्पताल मे डेंगूक चारी आ चिकनगुनिया के एकटा मरीज के शनिदिन भर्ती कराओल गेल अछि।

    अस्पताल के मेडिसीन विभाग मे मरीजक इलाज चलि रहल अछि। एहतियात के तौर पर अस्पताल प्रशासन दिन मे मरीजक लेल मच्छरदानी लगौने अछि। गौरतलब अछि जे, सूबे मे बाढ़िक कहर के कारण डेंगू के मरीजक संख्या मे लगातार बढोतरी भय रहल अछि।

    जाहि जिला मे बाढ़िक कहर अधिक देखल गेल छल ओहि जिला मे डेंगूक मरीज अधिक भेटि रहल अछि।अस्पताल प्रशासन एहेन मरीज के सब सुविधा उपलब्ध करेबाक बात कहि रहल अछि।