सड़क सुरक्षाक लय निकालल गेल जागरूकता रैली

    0
    268

    सुपौल, मिथिला मिरर: सड़क दुर्घटना के कम करबाक उद्देश्य सं जिला प्रशासनक बैनर तर रविदिन जागरूकता अभियान निकालल गेल। अनुमंडल पदाधिकारी नदीमुल गफ्फार सिद्दिकीक अगुवाई मे निकलल जागरूकता रैली शहरक विभिन्न मार्ग सं निकलि कय लोक के जागरूक केलक। अनुमंडल कार्यालय सं निकलल अहि रैली के संबोधित करैत एसडीओ कहलनि जे, सड़क पर होबय वला 78 प्रतिशत दुर्घटना मानवीय भूलक कारण होईत अछि।

    ओ कहलनि जे, एकटा आंकड़ा के अनुसार देश मे प्रति मिनट जतय एकटा सड़क दुर्घटना होईत अछि, ओतहि प्रति चारि मिनट पर एकटा व्यक्तिक मौत अहि दुर्घटना सं होईत अछि। सड़क दुर्घटना के कम करबाक लेल प्रशासन नियमक उल्लंघन करय वला व्यक्तिक विरुद्ध मोटर वाहन अधिनियम के तहत कार्रवाई के लेल परिवहन विभागक पदाधिकारी एवं जिलाक पुलिस पदाधिकारी के प्राधिकृत कायल गेल अछि।

    मौके पर मोटर यान निरीक्षक अनिल कुमार, थानाध्यक्ष राजेश्वर सिंह, नागेन्द्र नारायण ठाकुर, युगल किशोर अग्रवाल, विमल कुमार यादव, अजय अजनबी, परवेज नैयर, शरद मोहनता, नीता वर्मा, ओमप्रकाश यादव, जमाल उद्दीन, अनोज कुमार आर्य, अमित अग्रवाल, अमित मोहनका, संजय कुमार झा आदि उपस्थित छलाह।