विधान परिषद् मे भाजपा’क सदस्य लगौलनि भारत माता की जय’क नारा, हंगामाक बाद सदन स्थगित

    0
    291

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विधान परिषद मे आय भाजपाक सदस्य जमि कय भारत माता की जय’के नारा लगौलनि। भाजपा सदस्य सब सदन के कार्यवाही शुरु होइतहि बिहार सरकार पर आतंकी के संरक्षण देबाक आरोप लगबैत अहि विषय पर चर्चाक मांग कयलनि।

    भाजपा सदस्य के कहब छलनि जे, बिहार आतंकी के लेल सुरक्षित पनाहगार बनल जा रहल अछि आ सरकार सख्त कार्रवाई नहि कय रहल अछि। भाजपा सदन मे पाकिस्तान के समर्थन मे लागल नारा और नालंदा मे पाकिस्तानी झंडा फहरेबाक मामला पर सरकार के घेराव केलक। जाहि पर जदयू के सदस्य जमि कय विरोध करय लगलाह, जकरा बाद शून्यकाल मे भाजपाक सदस्य हंगामा करैत वेल मे पहुचि कय नारेबाजी शुरू कय देलनि। जाहि पर सभापति अवधेश नारायण सिंह सदन के स्थगित कय देलनि।

    ओतहि, अहि मामला पर जदयू प्रवक्ता नीरज कुमार सिंह कहलनि जे, भाजपाक आरोप निराधार अछि। जे सब बिहार मे एहेन काज केलनि तिनका सब पर कड़ी कार्रवाई कायल गेल, आ यास्मीन के जहां तक सवाल अछि त ओ दिल्ली मे गिरफ्तार कायल गेलीह।