ट्रेन मे शराबक संग पकड़ाओल गेल बैंक कैशियर

    0
    270

    जमुई, मिथिला मिरर: जमुई मे उत्पाद विभागक टीम बैंक कैशियर के शराबक संग गिरफ्तार केलक अछि। टीम छापेमारी के दौरान गिद्धौर स्टेशन स इंडियन बैंकक कैशियर के दू बोतल विदेशी शराबक संग गिरफ्तार केलक अछि।

    उत्पाद विभागक अधिकारी के अनुसार गिरफ्तार अविनाश कुमार गिद्धौर स्थित इंडियन बैंकक कैशियर छथि। एकटा अन्य कार्रवाई मे सेहो उत्पाद विभागक टीम हटिया-पाटलिपुत्र एक्सप्रेसक स्लीपर बोगी स तेईस बोतल विदेशी शराब बरामद केलक अछि।

    बैग मे भरल शराबक बोतल लावारिस अवस्था मे बरामद कायल गेल। उत्पाद विभाग के ई कामयाबी तहन भेटल जहन गिद्धौर स्टेशन पर ट्रेन मे शराब तस्करी के खिलाफ अभियान चलाओल जा रहल छल।उत्पाद विभागक अधिकारी कहलनि जे, सूबे मे शराबबंदी के बाद जिला के विभिन्न स्टेशन स जाय बला ट्रेन मे कार्रवाई कायल जा रहल अछि।