टेम्पू आ ट्रकक टक्कर मे पाँच घायल, तीन गोटेक हालत गम्भीर

    0
    455

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा मे सोमदिन ट्रक आ ऑटो रिक्शाक भीषण टक्कर मे पांच गोटे घायल भय गेल, जाहि मे तीन गोटेक हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि। घायल के इलाजक लेल दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार दरभंगा के केवटी स्थित दडि़मा चौक पर एकटा तेज रफ्तार ट्रक सामने सं आबि रहल ऑटो स टकरा गेल। दुर्घटना मे ऑटो के परखच्चा उड़ि गेल। ऑटो मे सवार पांच गोटे घायल भय गेल, जाहि मे चालक सहित तीन गोटेक हालत गंभीर बनल अछि।

    दुर्घटना के तत्काल बाद स्थानीय लोकक तथा पुलिसक मददि सं घायल के अस्पताल पहुंचायल गेल।