आठ महिना सं वेतन नहि भेटला सं परेशान स्वास्थ्यकर्मी कय सकैत अछि उग्र आंदोलन

    0
    283

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसराय सदर अस्पताल मे कर्मी के पिछला आठ महिना सं वेतन नहि भेटला सं स्वास्थ्यकर्मी’क समक्ष भूखमरीक स्थिती उत्पन्न भय गेल अछि। आवंटन नहि भेलाक बात काही क जतय अस्पताल प्रबंधन मूकदर्शक बनल अछि, ओतहि कर्मचारीक स्थिती दिनोदिन बदतर भेल जा रहल अछि।

    अहि बात सं नाराज कर्मचारी बृहस्पति दिन सदर अस्पताल मे बैसक कय सरकार आ स्थानीय प्रशासन के खिलाफ जमि कय नारेबाजी केलनि। स्वास्थकर्मी चेतावनी देलनि जे, यदि जल्दी वेतन नहि भेटत त कर्मी उग्र आंदोलन करत।

    कर्मचारी यूनियन के जिला मंत्री राम प्रवेश सिंह कहलनि जे, सब कर्मचारी के पिछला आठ महिना सं वेतन रूकल अछि। स्वास्थ्यकर्मी आ परिवार भूखमरीक कगार पर अछि। ओ मांग केलनि जे,  अस्पताल प्रबंधनआ सरकार अहि मामला मे जल्दी कार्रवाई करय।