‘मधुप’ जी’क पूण्य तिथि पर ‘मधुप स्मृति पर्वक आयोजन’

    0
    354

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मैथिलीक प्रख्यात साहित्यकार कवि चूड़ामणि काशीकान्त मिश्र मधुप’क पूण्य तिथि पर बुधदिन हुनकर पैतृक गाम दरभंगा जिलाक घनश्यामपुर प्रखंडक कोर्थु मे मधुप स्मृति पर्वक आयोजन कायल गेल। कार्यक्रमक उद्घाटन करैत मुजफ्फरपुर सं आयल साहित्यकार प्रो देवेन्द्र झा कहलनि जे, मधुप रचित गीत आय धरि जन-जन के कंठ मे बसल अछि। मुख्य अतिथि के पद सं बाजैत डा भीमनाथ झा मधुपक गीत के प्रसारण आकाशवाणी दरभंगा सं अनिवार्य रूप स करबाक लेल माँग केलनि।

    ओ कहलनि जे, आकाशवाणी दरभंगा सं मैथिलीक उपेक्षा कायल जा रहल अछि। प्रो केदार नाथ झा’क अध्यक्षता मे आयोजित अहि समारोह मे मणिकांत झा के भारत निर्वाचन आयोग द्वारा आइकॉन बनायल जेबा पर तथा मुद्रिका देवी के घनश्यामपुर प्रखंड प्रमुख बनेबा पर पाग चादरि आ सम्मान पत्र दय अभिनंदन कायल गेल।

    इस समारोह मे सुरेंद्र झा, प्रो राजानंद झा, विश्वनाथ झा, प्रो सती रमण झा, चंद्रकिशोर झा, मणिकांत मिश्र, देवकांत मिश्र सहित अनेक वक्ता अपन विचार प्रगट केलनि। अहि अवसर पर प्रो रामचंद्र मिश्र मधुकर के अध्यक्षता मे आयोजित कवि सम्मेलन मे शंभुनाथ मिश्र, दिनेश झा, रामसेवक ठाकुर, शारदनंद सिंह, शशिबोध मिश्र, संजीव कुमार मिश्र, श्याम बिहारी राय सरस सहित अनेक कवि लोकनि कविता पाठ केलनि।

    देर साँझ धरि तक चलल अहि समारोह मे रंगा रंग सांस्कृति कार्यक्रमक आयोजन सेहो भेल, जाहि मे दीपक कुमार झा, दुखी राम, अंबोध मिश्र, रामचंद्र झा, उमानाथ झा सहित कलाकार समा बान्हि देलनि। कार्यक्रमक संचालन मैथिली हास्य व्यंग्यक प्रख्यात कवि डा जयप्रकाश चौधरी ‘जनक’ कय रहल छलाह।