रैली कें लय सुरक्षाक अभूतपूर्व तैयारी, पटना पहुंचला पीएम

    0
    545

    मुजफ्फरपुर,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः शनिदिन प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक मुफ्फरपुरक चक्कर मैदान मे होइवला परिवर्त रैली सं पहिने सुरक्षा व्यवस्थाक अभूतपूर्व बंदोबस्त कैल गेल अछि। सुरक्षा एजेंसी द्वारा जारी कैल गेल खुफिया अलर्ट मे कहल गेल छल कि भय सकैत अछि किछु चरमपंथी संगठन आओर उत्तरी बिहार मे सक्रिस उग्रवादी संगठन प्रधानमंत्री मोदी कें रैली कें निशाना बना सकैत अछि। अहिकें बाद सुरक्षा एजेंसी आओर बेसी सतर्क भय काज क रहल अछि।
    जिला प्रशासन शुक्रदिन सं चक्कर मैदान कें सुरक्षा एजेंसी आ पुलिसक जवान कें हाथ मे सौंप चुकल अछि आ रैलीमे ओहि व्यक्ति कें अंदर जाय देल जायत जिनका जिला प्रशासन सं पास निर्गत कैल गेल छन्हि। संगहि प्रशासन बिहारक संग-संग कतेको आन राज्य मे हाई अलर्ट सेहो जारी कय रखने अछि। एतबे नहि प्रधानमंत्रीक अगवानी सं 2 घंटा पूर्व पटनामे सड़क कें सील क देल गेल छल आ संगहि 5 हजार पुलिसबल कें सेहो तैनात कैल अछि।
    एतबे नहि प्रधानमंत्रीक पटना सं मुजफ्फरपुर तककें एवाक लेल हेलीकाॅप्टरक अलावे सड़क यातायात कें सेहो इंतजाम कय राखल गेल अछि। पटना सं मुजफ्फरपुर तक कें 80 किलोमीटर कें सड़क कें पूर्ण रूप सं पुलिस प्रशासन सं भैर देल गेल अछि आ जगह-जगह पुलिसक आला अधिकारी हर हरकत पर नजैर राखि रहल छैथ। पत्रकार सं बातचीत करैत पटनाक वरिष्ठ पुलिस अधीकक्षक विकास वैभव कहला जे सुरक्षा व्यवस्थाक सबटा तैयारी पूरा क लेल गेल अछि आ हर गतिविधि कें हमरा सब माॅनिटर क रहल छी।
    प्रधानमंत्रीक मुजफ्फरपुर रैलक मे सुरक्षाक छह स्तरक व्यवस्था कैल गेल अछि आ प्रधानमंत्री पटना पहुंच गेल छैथ जाहि ठाम किछु शिलान्यास आ उद्घाटनक कार्यक्रम पहिने सं प्रस्तावित अछि। पटनाक वेटनरी काॅलेज मे आयोजित कार्यक्रम मे प्रधानमंत्री मोदी आओर नीतीश कुमार एक संग छैथ।