प्रियदर्शीनी झाक संग प्रकाशक खास बातचीत

    0
    487

    कोलकाता,मिथिला मिरर-प्रकाश झाः मिथिला मिरर कें भेंटघांटक आजुक अंक में मिथिला मिरर संवाददाता प्रकाश झा मिथिलाक एक गोट उभरैत हस्ति सं बात कैलनि जे सौंदर्यता कें दम पर मिथिलाक नाम रौशन कय रहली अछि। लायंस क्लब इंटरनेशनल के अंतर्गत लायंस रीजेंसी द्वारा आयोजीत सौंदर्य प्रतियोगिता मे बेस्ट हेयर ब्यूटी अवार्ड सं सम्मानीत मिथिलाक बेटी प्रियदर्शीनी झा सं मिथिला मिरर प्रतिनिधि प्रकाश झाक खास बातचीतक अंश।

    प्रश्न – अहाँ अपन नाम-गाम आ परिवार के बारे में बताऊ ?

    उत्तर-हमर नाम प्रियदर्शीनी झा, पिताजी के नाम शैलेन्द्र कुमार झा, माँ के नाम कल्पना झा, भाई शिवम् झा, बाबा स्वर्गीय शोभाकांत झा, ग्राम-नवकरही, मधुबनी, नानी गाम नेहरा, दरभंगा, नाना दरभंगा कोर्ट मे वकील छथि, आ हम एकटा साधारण परिवार सं छी।

    प्रश्न -अहाँक प्रारंभिक शिक्षा कतय भेल ?

    उत्तर-हमर जन्म कोलकाता में भेल, मुदा पिताजी एकटा प्राइवेट कंपनी मे कार्यरत छथि आ  हुनक ट्रान्सफर ओडिशा भ गेलनि, ताहि लेल प्रारंभिक शिक्षा ओडि़शा में भेल, फेर कोलकाता एलाह पर कक्षा पांच स बारह क्लास धरि कोलकाताक बालिका शिक्षा सदन सं केलौह।

    प्रश्न – अहाँ एखन एकटा मीडिया हाउस में कार्यरत छी, अहाँ मीडिया सं कोना जुड़लौ ?

    उत्तर-हम कोलकाताक प्रतिष्ठित कॉलेज टेक्नो इंडिया सं मीडिया साइंस में ऑनर्स केलौ, ट्रेनी के रूप में आईबीएन-7 में काज केलौ, इस्टर्न रेलवे में पीआर इंटर्नशिप केलौ, आ हमर सब सं निक अनुभव रहल जे टेक्नो इंडिया में मुख्यमंत्री कें स्वागत पर वॉइस ओवर केलौ, आ

    एखन एकटा हिन्दी दैनिक अख़बार में एजुकेशन आ फैशन पर कार्य कय रहल छी।

    प्रश्न – अहाँ कोलकाताक एतेक पैघ सौंदर्य प्रतियोगिता में फाइनल तक अपन स्थान सुरक्षित रखलौ, कोना जागल ई जिज्ञाषा ?

    उत्तर-हम बचपने सं ग्लैमर कें लय उत्सुक रहलौ अछि आ हम चाहैत छी जे हरदम किछु नव करी जाहि सं समाज हमरा अलग रूप सं देखै। अपन एकटा अलग पहिचान बनेवाक हेतु अहि प्रतियोगिता में भाग लेलौह आ भगवानक संग माँ-पिताजीक आ हमर स्नेही सब कंे आशीर्वाद सं हम अहि में विजयी भेलौ।

    प्रश्न-अहाँ मैथिलानी छी जाहि ठाम इ सौंदर्य प्रतियोगिता सब कें गलत अर्थ लगाओल जायत अछि त अहि विषय पर अपनेक केहन विचार अछि ?

    उत्तर-हम अहि बात कें बुझैत छी मुदा समाज में दिन-प्रतिदिन बदलाव भय रहल अछि। जमाना कें हिसाब सं सब कें चलबाक चाही। आब मिथिलानी सब कतेको ठाम अपन अलग-अलग पहिचान बनेवा में सफलता हांसिल केलिह अछि।  जा धरि कोनो विषय कें पूर्ण जानकारी नहि रहैत अछि ता धरि समाज ओहि विषय पर प्रतिरोध करैत छथि मुदा समाज में शिक्षाक विकास भेला सं मैथिलानी सबहक लेल आगुक मार्ग किछु निक भेल जा रहलनि अछि। समय द्रुतगति सं आगु बढि़ रहल अछि आ अहि समय में बच्चाक अभिलाषा कें नहि मारबाक चाहि। 

    प्रश्न-अहाँ सौंदर्य प्रतियोगिता में बेस्ट हेयर ब्यूटी कें अवार्ड जितलौ एकर श्रेय किनका देबनि ?

    उत्तर-सब स पाहिले अपन इ श्रेय हम अपन माता-पिता के देबैन जे ओ अहि में भाग लेवा में अपन सहयोग देलनि आ हम अपन शुभचिंतक सब कें सेहो धन्यवाद् देबनि जे हमरा शुरू सं अंत धरि सहयोग केलनि। अहि जीतक हक़दार ओ सब कियो छथि जे हमरा प्रत्यक्ष आ कि परोक्ष रूप सं समर्थन कैलनि।

    प्रश्न-आगाँ अहाँ के कि करै के विचार अछि फिल्म आ कि मीडिया ?

    उत्तर – आगू हम एखन फिल्मक बारे में सोचबो नै केलौ अछि। इ सत्य अछि जे अहि में विजयी भेला के बाद ऑर्गेनाइज़र फि़ल्म में चांस दैत छथि। वा कि लोक सब फिल्मक दिस अपन घ्यान दैत छथि, मुदा हम कोनो मीडिया हाउस में न्यूज़ एंकरिंग करवाक लेल उत्सुक छी।

    प्रश्न-अंत में एकटा प्रश्न जे एखन जाहि तरहे देश में नारीक ऊपर अत्याचार भय रहल अछि आ एखन जे टटका मध्यमग्राम काण्ड भेल अछि ताहि लेल अपने एकटा महिला आ पत्रकार कंे नज़रि स कि कहब ?

    उत्तर-इ बहुत दुःखद घटना घटल, अहि में दोषी के कारगर दंड देबाक चाही। हम लड़की सब कें सनेश देबनि जे अगर किनको संग एहन घटना होइत अछि त अविलम्ब अपन माँ-बाबू कें घटना कें जानकारी दैथ कारण चुप रहला सं स्थिति आओरो विकट बनि जायत अछि।

    प्रयदर्शीनी अपने-अपन व्यस्त समय में सं हमरा लेल एतवाक वक्त निकालहुं ताहिक लेल अपनेक स्वागत आ धन्यवाद।

    त आजुक अंक में बस एतबे आ फेर भेंटधांटक अहि सिलसिला कें कोनो आओर पाहुनक संग आगु बढ़ायब ता धरिक लेल अपने सबहक बहुत-बहुत घन्यवाद। खुश रहु आ सुरक्षित रहु।