दिल्लीमे प्रेसवार्ता कय घायल वन्स अगेन कें कामायाबी पर बजलाह नरेंद्र

    0
    515

    दिल्ली-मिथिला मिररः लगभग ढाई दशकक अपन अभिनय कें सफरमे अपन खास तरहक अभिनय सं जनता बीच लोकप्रिय भय चुकल बाॅलीवुड अभिनेता नरेंद्र झा सनी देओल निर्देशित घायल कें सिक्वल घायल वन्स अगेन मे दमदार अभिनय कय एक बेर फेस सं देश-दुनियाक सिनेमा सिनेहीक बीच चर्चाक केंद्र बिन्दु बनल छैथ। भारत सहित पूरा विश्व भरिमे बाॅलीवुडक प्रशंसकक बीच राज बंसलक किरदार कें बहुत बेसी प्रशंसा भय रहल अछि। दिल्लीमे एकटा संवाददाता सम्मेलन कें संबोधित करैत अभिनेता कहला जे ओहो राज बंसलक अभिनय सं प्रसन्न छैथ। सनी देओल कें धन्यवाद दैत अभिनेता नरेंद्र कहला जे हम सनी देओल कें बहुत आभार प्रकट करैत छियैन्ह जे हमरा अहि सिनेमा मे अभिनय करवाक अवसर प्रदान केलाह।
    एकटा सवालक जवाब मे अभिनेता नरेंद्र झा कहला जे अगर कियो निर्माता-निर्देशक अगर हमर व्यक्तित्व कें देखैत अगर कोनो मैथिली सिनेमामे हमरा आमंत्रित करताह त हम निश्चित रूपसं मैथिली सिनेमामे सेहो अभिनय करवाक लेल तैयार छी। नरेंद्र झा कहला जे हम विचार कय रहल छी जे अपन मातृभूमि खास कय मधुबनी ओ दरिभंगा मे एकटा अभिनय सिखेवाक स्कूल स्थापना करी जाहि सं आम लोकक धिया-पूता सेहो अभिनय सीख सकय। गामक कलम-गाछी कें मोन पाड़ैत नरेंद्र झा कहला जे हमरा मुंबई मे अहि सब पूरान चीजक बहुत बेसी याद आवैत अछि।
    अपन अगिला आबैवला सिनेामक विषयमे नरेंद्र झा कहला जे हमर बहुत रास सिनेमा एक कें बाद एक अपने लोकनिक बीच आबि रहल अछि जाहिमे ऋतिक रोशक संग मोहनजोदाड़ो, शाहरूख खान कें संग सईस, जाॅन अब्राहम कें संग फोर्स-2, आ कश्मीर बेस फिल्म फादरमे ओ नजैर औता। एकटा सवालक जवाब मे नरेंद्र कहला जे ओ निश्चित रूप सं हास्य अभिनय करैत सेहो जनताक बीच औता।