सोमदिन सं विधानसभाक घेराव करत शिक्षक संघ: कृष्ण मोहन चौधरी

    0
    305

    मधुबनी, मिथिला मिरर: रविदिन बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघ इकाई अंधराठाढ़ी’क बैसक कोसी योजना परिसरमे कएल गेल। बैसककें संबोधित करैत संघक जिला कार्यकारिणी सदस्य कृष्ण मोहन चौधरी कहलनि जे, संघ अप्पन मांगक समर्थनमे 19 सं 22 फरवरी धरि सब क्षेत्रीय विधायक, विधान पार्षद आ मंत्रीकें मांग पत्र समर्पित केलक अछि। संघ 23 फरवरी कए जिला मुख्यालयमे मशाल जुलूस सेहो निकालने छल। संघ आब आरपारक लड़ाईके मूड मे अछि।

    ओ कहलनि जे, हम सब अप्पन मांगक लेल 27 फरवरी सं विधानसभाकें अनिश्चितकालीन घेराव करब। कार्यक्रमकें संबोधित करैत प्रखंड अध्यक्ष अमरेश यादव कहलनि जे, नियोजित शिक्षक लगातार अप्पन दायित्वक निर्वहन कए रहल अछि। बावजूद सरकार द्वारा भेदभावपूर्ण व्यवहार कएल जा रहल अछि।

    बैसकमे चंद्रशेखर, बबीता कुमारी, सुमन कुमार झा, अरुण कुमार सिंह, संजय कुमार झा, खेलानंद चौधरी, संतोष मंडल, विनय राम, आशुक कुमारी, पुनीता कुमारी, चंदेश्वर महतो, रमेश यादव, सुधा कुमारी, सीता राम मंडल, दिनेश झा, रौशन दास, रामऔतार मंडल, प्रियंका कुमारी, दिवाकर झा, प्रकाश झा, संतोष आदि शामिल छलाह।