पुलिस सप्ताह’क समारोहपूर्वक शुभारंभ कएल गेल

    0
    282

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: पुलिस सप्ताहक शुरूआत बुधदिन समारोहपूर्वक कएल गेल। जिला मुख्यालयमे मुख्य समारेाह पुलिस लाइनमे भेल, जतय कार्यक्रमक विधिवत उदघाटन सदर डीएसपी तनवीर अहमद केलनि। डीएसपी अप्पन संबोधनमे पुलिस सप्ताहक प्रयोजनकें विस्तारपूर्वक समझौलनि। संगहि विभिन्न कार्यक्रमक विषयमे जानकारी देलनि। अहि दौरान पौधरोपण सेहो कएल गेल। शहरक विभिन्न थानाकें सजाओल गेल।

    मौका पर मुफस्सिल व नगर थाना इंस्पेक्टर कुमार कीर्ती व एचएन सिंह, सार्जेंट मेजर मिथिलेश सिंह, पुलिस एसोसिएशनक सचिव बिरेन्द्र सिंह समेत तमाम वरीय अधिकारी मौजूद छलाह। राजकीय अम्बेदकर आवासीय बालिका उच्च विद्यालय पर सेहो पेंटिंग प्रतियोगिताक आयोजन भेल। उद्घाटन सदर डीएसपी केलनि।

    अहि अवसर पर आवासीय विद्यालयकें कुल 32 छात्रा भाग लेलनि। प्रतियोगिताक विषय शराबबंदी राखल गेल छल। मौका पर प्रचार्या सुमन कुमारी, नगर थानाध्यक्ष एचएन सिंह, मेजर मिथिलेश कुमार सिंह, इंस्पेक्टर हरिमोहन प्रसाद सहित बहुतो पदाधिकारी मौजूद छलाह।