अनुकम्पा पर नोकरी करय वलाक लेल नववर्षक तोहफा

    0
    280

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे पिछला साढ़े तीन साल सं भूखले पेट अनुकम्पा पर नौकरी करय वला के नव साल खुशहाली लय कय आयल अछि। अनुकम्पा पर नोकरी करय वला सब के आब नियमित भुगतान शुरू भय जायत। कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा रविदिन प्रत्यूष नवबिहार सं बातचीतक क्रम मे कहलनि जे, हमर प्रयास रहत जे 4 जनवरी तक कर्मी के भुगतान कय देल जाय।

    एतबे नहि सम्बद्ध महाविद्यालय मे सेहो खाली पेट शिक्षादान करय वला शिक्षक आ कर्मी के 4 जनवरी तक उनका अनुदान भेज देबाक बात कुलपति कहलनि। ओ कहलनि जे, अहि के लेल तैयारी जारी अछि। ओतहि महाविद्यालय मे कार्यरत शिक्षकेत्तर कर्मीक लेल सेहो नया साल खुशखबरीक रूप मे आयल अछि। हिनकर वेतन बिन्दुक निर्धारण सेहो भय जायत।

    दोसर दिस दीक्षांत समारोहक तैयारी सेहो अंतिम रूप लय रहल अछि। कुलपति स्वयं कार्यक मोनेटरिंग कय रहल छथि। 6 जनवरी क दीक्षांत समारोह अछि, एहि सं पहिने सिण्डीकेट आ वित्त समितिक बैसक के तिथि सेहो तय कय देल गेल अछि।