पटना/कोलकाता, मिथिला मिरर: बिहार मे नीतीश कुमार द्वरा चलाओल जा रहल पूर्ण शराब बंदी के ममता बनर्जी एकटा जोरदार झटका दैत बंगाल मे 365 दिन शराब भेटय के अनुमति दय देलनि। जकरा बाद आब बंगाल मे योजना शराब परोसबाक अन्तर्गत थ्री-स्टार तथा अहि सं उच्च कोटिक होटल मे सब दिन शराब परसबाक आजादी भेट गेल।
बिहार मे शराबबंदी के बाद नीतीश कुमार समुच्चा देश मे एकरा लागु करबाक प्रयास कय रहल छलाह, नीतीश प्रधानमंत्री सहित बहुतो अन्य नेता सं शराब बंदी पर देश मे बिहार मॉडल अपनेबाक जोगाड़ मे छलाह। मुदा पडोसी राज्यक अहि फैसला सं नीतीश के परेशानी बढ़ि जेबाक अनुमान लगाओल जा रहल अछि।
पश्चिम बंगाल सरकारक अहि आदेश स पहिने राज्य मे 12 दिन ड्राइ डे होइत छल जे आब मात्र साढ़े चारि दिनक रहि जायत। आब बंगाल मे गणतंत्र दिवस, स्वतंत्रता दिवस, गांधी जयंती, मुहर्रम के दसम दिन के अलावा डोल यात्रा के दिन 2 बजे तक ठेका पर शराबक बिक्री बंद रहत। ओतहि थ्री स्टार आ ओहि सं उच्च दर्जाक होटल आ क्लब मे अहि दिन सेहो शराब पार्सल जायत।
तेसर मोर्चा पर संग रहय बला नीतीश आ ममता शराबबंदी मामला मे सोंझा-सोंझी देखा रहल छथि।गौरतलब अछि जे, दूनू मुख्यमंत्री एक दोसराक शपथ ग्रहण समारोह मे मंचक शोभा बढ़ा चुकल छथि।