सीतामढ़ी मे बीपीएससी’क परीक्षा मे 49 प्रतिशत परीक्षार्थी अनुपस्थित

    0
    308

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सुरक्षा व्यवस्थाक बीच रविदिन जिलाक छह गोट केंद्र पर आयोजित बीपीएससीक परीक्षा संपन्न भेल। परीक्षा मे 49 फीसदी परीक्षार्थी अनुपस्थित पाओल गेल। नोडल पदाधिकारी हरिशंकर रामक अनुसार, कदाचार के आरोप मे एकोटा परीक्षार्थी के निष्कासित करबाक सूचना नहि अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, शांतिपूर्ण परीक्षाक लेल जिला मे छह गोट केंद्र बनाओल गेल छल। कमला बालिका उच्च विद्यालय परीक्षा केंद्र पर 500, सीतामढ़ी उच्च विद्यालय परीक्षा केंद्र पर 1000, मथुरा हाई स्कूल परीक्षा केंद्र पर 400, लक्ष्मी हाई स्कूल परीक्षा केंद्र पर 600, एमआरडी परीक्षा केंद्र पर 600 एवं मारवाड़ी मध्य विद्यालय परीक्षा केंद्र पर 500 परीक्षार्थीक बैसबाक व्यवस्था कायल गेल छल।