बिहारमे 55 प्रतिशत महग भेल बिजली, नब दाम 1 अप्रैल सं लागू

    0
    337

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक लोककेँ गर्मी सं पहिनहि सरकार पैघ झटका देलक अछि। ई झटका लोककेँ बिजलीक नब दर सं लागल अछि। शुक्रदिन बिजली नियामक आयोग बिजलीक दरमे बढ़ोत्‍तरीकें मंजूरी दए देलक अछि। आयोगक अध्यक्ष एसके नेगी पटनामे नब दरक घोषणा केलनि। मंजूरी भेटलाक बाद बिजली दरमे 55 फीसदी तककें बढ़ोतरी कएल गेल अछि। पिछले किछु समय सं बिजली’क दर बढेबाक बात भए रहल छल मुदा दरमे एतेक बढ़ोतरीक अंदाजा ककरो नहि छल।

    बिजली नियामक आयोगकें बैसकमे बिजली दर बढेबाक फैसलाकें पारित कय देलक अछि। आयोगक अध्यक्ष नेगी कहलनि जे, बिजली दरकें पिछला सालमे भेल घाटाकें देखैत 75 फीसदी तक बढेबाक प्रस्ताव छल, मुदा आयोग अन्य राज्यक बिजली रेटक अध्ययन केलाक बाद 55 फीसदी तक बढेबाक फैसला केलक अछि।

    राज्यमे पहिल बेर बिजलीक दरमे एतेक अधिक वृद्धि भेल अछि। अहि सं पहिने कहियो एक बेर 55 फीसदी’क वृद्धि नहि कएल गेल छल। बोर्डक ई फैसला 2016-17’मे भेल राजस्व घाटाकेँ देखैत कएल गेल अछि। बिजलीक नब दर एक अप्रैल 2017 सं लागू होएत।

    अध्यक्ष नेगी कहलनि जे, साल 2016’मे विद्युत विनियामक आयोग बहुतो बेर जन सुनवाई केलाक बादो बिजलीक दरमे बढ़ोतरी नहि केलक। पिछला साल बिजलीक दरमे कोनो वृद्धि नहि भेला सं विभागकें भारी घाटा उठाबय पड़ल छल।

    शहरी क्षेत्रमे 1-100 यूनिट तक आब देबय पड़त 5.75 रु प्रति यूनिट, पहिने 3 रुपैया प्रति यूनिट छल। # 101 सं 200 यूनिट पर आब 6.50 रुपैया प्रति यूनिट, पहिने 3.63 रुपैया प्रति यूनिट छल।                   # 200 सं 300 यूनिट पर आब 7.25 रुपैया प्रति यूनिट।                                                                     # शहरी क्षेत्रमे 300 सं अधिक यूनिट पर 8 रुपैया प्रति यूनिट देबय पड़त।

    # ग्रामीण क्षेत्रमे 1-50 यूनिट तक आब 5.75 रुपैया प्रति यूनिट, # 51 सं 100 यूनिट तक आब 6 रुपैया प्रति यूनिट आ # 100 सं अधिक यूनिट पर 6.25 रुपैया प्रति यूनिट बिल भुगतान करय पड़त।