काव्यमय वातावरण सं गुञ्जित रहल होली मिलन समारोह

    0
    411
    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीकें मधेपुर प्रखण्डक स्थित आदिनाथ मधुसूदन पारसमणि संस्कृत महाविद्यालयकें सभागारमे शुक्रदिन होली मिलन सह कवि सम्मेलन समारोहक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक विधिवत उद्घाटन प्राचार्य डॉ. हरि नारायण ठाकुर, डॉ. रामसेवक झा, डॉ. चित्रधर झा एवं नारायण झा संयुक्त रूप सं केलनि। कार्यक्रमके निर्विघ्न समाप्तिक लेल मंगलाचरण मनीष कुमार मिश्र केलनि।
    कार्यक्रमक अध्यक्षता करैत महाविद्यालयके प्राचार्य डॉ. हरिनारायण ठाकुर कहलनि जे, वसंत रितुक आगमन सं प्राकृतिक वातावरण प्रफुल्लित भए उठैत अछि। गाछ-बृक्षमे नव पल्लव प्रस्फुटित भए फलदार वृक्ष मंजरि सं युक्त प्राकृतिक वातावरणकें हरियर बना दैत अछि। जाहि सं आसपासक वातावरण नव सुगन्ध सं मधुमय भए जाइत अछि। होली पर्व घर-परिवार, महाविद्यालय आदिमे सामाजिक सौहार्द व साम्प्रदायिक सदभाव बनेबाक लेल प्रेरित करैत अछि।
    ओतहि दोसर सत्रमे कवि सम्मेलनक अध्यक्षता करैत ब्रजकान्त चौधरी कहलनि जे, काव्य द्वारा रसानुभूति सम्पादित होईत अछि। होली व वसंत पर आधारित संस्कृत एवं मैथिली भाषामे कवि नारायण झा, डॉ. चित्रधर झा, डॉ. रामसेवक झा सहित महाविद्यालयके बहुतो छात्र सेहो काव्य प्रस्तुत कय सभागारकें अनुगुञ्जित कए देलक।
    कार्यक्रममे डॉ. हरि नारायण ठाकुर, डॉ. रामसेवक झा, नारायण झा, सोहन मिश्र, बिमलेन्दु झा, रतन कुमार झा, रमाकान्त झा, विरेन्द्र झा, दिनेश्वर झा, बेचन मंडल सहित महाविद्यालयके बहुतो छात्र-छात्रा उपस्थित छलाह।