साहित्य अकादमीक युवा पुरस्कार सँ सम्मानित हेता खुरजनभाइ उर्फ रूपेश त्योंथ

0
53

मिथिला मिरर-राजीव चौधरी: साहित्य अकादमी एहि वर्षक युवा पुरस्कार केर घोषणा केलक अछि। मैथिली भाषा लेल एहि बेर रूपेश त्योंथ कें साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार 2022 लेल चुनल गेल छनि। मूल रूप सं मधुबनी जिलाक त्योंथा गाम निवासी रूपेश मैथिली साहित्य मे नवकृष्ण ऐहिक नाम सं व्यंग्य लिखैत आबि रहल छथि। हिनक मैथिली व्यंग्य संग्रह खुरचनभाइक कछमच्छी लेल हिनका एहि प्रतिष्ठित पुरस्कार लेल चुनल गेल छनि। हिनक मूल नाम रूपेश कुमार झा (33) छनि।

आइटी प्रोफेशनल रूपेश कोलकाता मे कार्यरत छथि। रूपेश लगभग डेढ़ दशक सं स्वतंत्र लेखन सेहो करैत आबि रहल छथि। हिनक पहिल रचना ‘जागू आब’ शीर्षक कविता श्री मिथिला पत्रिका मे वर्ष 2006 मे प्रकाशित भेल छल। मैथिली भाषा मे कविता संग्रह ‘एक मिसिया’ (2013), व्यंग्य संग्रह ‘खुरचनभाइक कछमच्छी’ (2015) प्रकाशित छनि। हिनक लिखल व्यंग्य नाटक ‘कनफुसकी’ केर सफल मंचन भेल अछि। वर्ष 2012 सं मैथिलीक प्रतिष्ठित ऑनलाइन पत्रिका मिथिमीडिया केर सम्पादन व संचालन करैत आबि रहल छथि। हिनका एहि सं पहिने नवहस्ताक्षर पुरस्कार, नवआयाम प्रतिभा सम्मान, संस्कृति मंत्रालय अन्तर्गत सीसीआरटी दिस सं जूनियर फेलोशिप अवार्ड आदि सं सम्मानित कएल गेल छनि।

ज्ञात हो जे पुरस्कृत पोथी खुरचनभाइक कछमच्छी मैथिली दैनिक मिथिला समाद मे अगस्त 2008 सं दैनिक स्तम्भ रूप मे प्रकाशित होइत छल। लगभग 300 व्यंग्य एहि लोकप्रिय दैनिक स्तम्भ अंतर्गत लिखल गेल। वर्ष 2015 मे मैलोरंग दिल्ली सं एकर संग्रह प्रकाशित भेल जाहि मे चुनल पचास गोट व्यंग्य सम्मिलित अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here