अनुमंडल अस्पताल झंझारपुरक उपाधीक्षकक निधन दुखदः नीतीश मिश्र

0
2175

मिथिला मिरर, मधुबनीः अनुमंडल अस्पताल झंझारपुरक उपाधीक्षक डाॅ. पी. के. मिश्रक असामयिक निधन पर दुख व्यक्त करैत झंझारपुर सऽ भाजपा विधायक आ पूर्व मंत्री नीतीश मिश्र एहि घटनाकेँ दुर्भाग्य पूर्ण कहलनि। नीतीश मिश्र अपन आधिकारिक फेसबुक पेज पर लिखलनि जे झंझारपुर अनुमंडल अस्पतालक उपाधीक्षक डाॅ. पी. के. मिश्र कोरोना सऽ पीड़ित छलाह आ इलाजक क्रममे पटना एम्समे भर्ती छलाह जाहिठाम हुनक निधन भए गेलनि। विधायक कहलनि जे डाॅ. मिश्रक निधन सऽ मर्माहत आ व्यथित छी। डाॅ. मिश्रकेँ स्मरण करैत विधायक लिखैत छथि जे डाॅ. मिश्र एकटा कर्तव्यनिष्ठ डाॅक्टर छलाह आ कोरोना कालमे बिना जानक परवाह कयने दिन-राति एहि महामारी सऽ लड़बामे लागल रहैत छलाह। रातिक 2 बजैत हो आ कि भोरक 5 जखन हम कोनो रोगीक संबंधमे हुनका फोन कयने हेबनि ओ तुरंत ओहि बातक संज्ञान लैत छलाह। कोरोना काल मे झंझारपुर अस्पतालमे सभटा दवाइ आ आॅक्सीजन कोना उपलब्ध हो एहि बातक लेल डाॅ. मिश्र सतत प्रयासशील रहैत छलाह। विधायक आगू कहैत छथि जे मरीजक इलाज हेतु एकटा दवाइ अस्पतालमे उपलब्ध नहि छल एहि संबंधमे ओ हमऽ रा सऽ बात कऽ कऽ ओहि दवाइकेँ हैदराबाद सऽ मंगबौलनि। एहन समाजोपकारी व्यक्ति निधन नहि सिर्फ चिकित्सा जगत अपितु संपूर्ण समाजक लेल पैघ क्षति थिक।
नाॅर्थ अमेरिका मैथिल मंच द्वारा अमेरिका सऽ अनुमंडल अस्पताल झंझारपुर लेल भेंट स्वरूप आएल आॅक्सीजन कंसन्ट्रेटर अस्पतालकेँ सुपुर्द करबाक क्रममे डाॅक्टर मिश्र सऽ अंमित भेंट भेल छल। हालांकि ओ कनेक अस्वस्थ छलाह मुदा कहलनि जे कनेक तबीयत खराब अछि पटना जा रहल छी आ ओहिठाम सऽ ठीक भए वापस आयब। डाॅक्टर मिश्रक निधन सऽ हमरासभ एकटा सहज, सरल, हँसमुख, कर्तव्यनिष्ठ आ सेवापरायण व्यक्तिकेँ अपना बीच सऽ परलोक जाइत देख रहल छी जे कोनो रूपेँ विश्वास करबा योग्य नहि अछि। भगवान सऽ दिवंगत आत्माकेँ चिरशांतिक लेल कामना करैत छी।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here