अगिला एक दू दिन मे एनडीए मे शामिल भ’ जायत रालोसपा : माधव आनंद

0
781

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावक तारीख केँ ऐलान  भ’ चुकल अछि। बिहार मे सियासी गर्मी बढ़ल जा रहल अछि। राजनीतिक दलक भीतर बैचेनी बढ़ल जा रहल अछि। दुनू गठबंधन मे सीट बँटवारा केँ ल’ पेंच फसल अछि। सियारी पंडित लोकनि केँ मानी त’ अगिला दू-तीन दिन मे बिहारक चुनावी गणित स्पस्ट भ’ जायत। एम्हर एकटा पैघ खबरि भेट रहल अछि जे रालोसपा महागठबंधन सँ अलग भ’ चुकल अछि। मात्र आब औपचारिक ऐलान बाँकी रहि गेल अछि। रालोसपा केँ तेजस्वीक नेतृत्व स्वीकार नहि अछि ई साफ भ’ चुकल अछि।

रालोसपा सूत्र केँ मानी त’ जाही तरहें राजद अपन घटक दल केँ बात नहि सुनी रहल अछि आ किछु रालोसपा पदाधिकारी केँ राता-राति राजद मे शामिल कराओल गेल ओही सँ कुशवाहा नाराज भ’ चुकल अछि। एहि पूरा प्रकरण पर रालोसपाक राष्ट्रीय प्रधान महासचिव माधव आनंद कहलनि अछि जे जहिना पूरा दुनियाँ कोरोना महामारी सँ त्रस्त अछि तहिना महागठबंधन महामारी केँ शिकार भ’ चुकल अछि। एनडीए मे जेबाक सवाल पर जवाब दैत कहलाह जे एनडीएक शीर्ष नेतृत्व सँ बातचीत भ’ रहल अछि। तकरीबन सभ किछु फाइनल अछि। अगिला दू तीन दिन मे एकर घोषणा क’ देल जायत।

माधव आनंद कहलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार मे अखनि बिहार मे सभसँ पैघ चेहरा छथि एहि मे कोनो शक नहि अछि। हमर पार्टी समय-समय पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक नीक काज केँ प्रशंसा करैत रहल अछि। जनतब होयत जे कृषि विधेयक के रालोसपा समर्थन केने छल। बतादी जे रालोसपाक आपात बैठक मे उपेंद्र कुशवाहा कहने छलाह जे तेजस्वी यादव केँ पाँछा ठाढ़ भ’ बिहारक विकास संभव नहि अछि। तखने ई मानी लेल गेल छल जे कुशवाहा केँ महागठबंधन सँ मोह भंग भ’ गेल छनि आ जल्दिए कोनो नव विकल्पक तलाश मे छथि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here