राजद पर भाजपाक तंज, राजनीतिक विरासत पर शर्मिंदा किएक अछि राजद किएक हटाओल गेल लालू-राबड़ीक फोटो

0
630

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी तरकश सँ तीर आब चलाओल जा रहल अछि। केंद्रीय विधि मंत्री रविशंकर प्रसाद बिहार भाजपा कार्यालय मे शनिदिन प्रेस केँ संबोधित करैत विपक्ष पर सवाल ठाढ़ करैत राजद सँ पूछलनि जे बिहारक मुख्य विपक्षी दल यानि राजद अपन विरासत पर एतेक शर्मिंदा किएक अछि। आखिरकार दुनू पूर्व मुख्यमंत्री (लालू-राबड़ी) क फोटो चुनावी पोस्टर सँ गायब किएक भ’ गेल। आखिर की कारण अछि जे विपक्षक राजकुमार विरासत केँ छूपा रहल अछि। चुनाव मे ई प्रश्न जरूर पूछल जायत। बतादी जे राजदक नवका पोस्टर मे लालू राबड़ी केँ फोटो नहि लागल अछि।

प्रदेश भाजपा कार्यालय मे आयोजित संवाददाता सम्मेलन मे रविशंकर प्रसाद एनडीए मे सभ किछु ठीक हेबाक दावा करैत कहलनि जे लोजपा आ जदयूक बीच जे रार अछि जल्दिए मिल बैस क’ समाधान निकाली लेल जायत। एनडीए केँ घटक दल सभ एकजुट भ’ चुनावी मैदान मे जायत।  सीट बँटवारा पर कहलनि जे चुनाव समिति तय करत कहीं कोनो तरहक विवाद नहि अछि। जल्दिए सीट बँटवारा पर सेहो फैसला अहाँ सभक बीच ल’ क’ आयब।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा घोषणा कएल गेल अछि जे यदि ओ दोबारा सत्ता मे अबैत छथि त’ सात निश्चय योजनाक पार्ट 2 लागू करताह। एहि पर जवाब दैत कहलाह जे अखनि इंतजार कएल जाय। भाजपा जखन अपन घोषणा पत्र जारी करत तखन एहि पर जबाब देल जायत। नीतीश कुमारक नेतृत्व मे एनडीए चुनावी मैदान मे जा रहल अछि। एनडीए लग नेता सेहो अछि आ स्पष्ट नीति सेहो अछि। पूर्ण समन्वयक संग चुनाव मे जीत सुनिश्चित अछि।

चूँकि कोरोना काल मे चुनाव होमय जा रहल अछि ताहि कारण डिजिटल प्रचार केँ माध्यम सँ चुनावी चर्चा कएल जायत। भाजपा एहि मे बहुत आगू अछि। भाजपा हरेक गाम तक डिजिटल माध्यम सँ अपन बात राखत। बिहारक प्रति प्रधानमंत्री केँ विशेष लगाव अछि। कोनो भी आपदा विपदा मे बिहार पर प्रधानमंत्रीक नजरि रहैत छनि। नीतीश कुमार आ प्रधानमंत्री मोदीक काज आ चेहरा पर चुनाव लड़ल जायत आ विपक्ष धराशायी भ’ जायत।  एहि मौका पर नवनियुक्त राष्ट्रीय प्रवक्ता विधान पार्षद संजय मयूख, प्रदेश प्रवक्ता प्रेमरंजन पटेल समेत अन्य नेता मौजूद छलाह।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here