‘पूरा बिहार हमारा परिवार’ नाराक संग जदयू जारी कएलक नवका पोस्टर, एनडीए केँ एकजुट देखेबाक कोशिश!

0
582

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी घमासान मचल अछि। भले चुनाव आयोग अखनि धरि चुनावक आधिकारिक ऐलान नहि कएलक अछि, मुदा बिहार मे राजनीतिक दल सभ चुनावी मोड मे आबि चुकल अछि। पटना मे किछु दिन सँ पोस्टर युद्ध छिडल अछि। पोस्टर के माध्यम सँ वार पलटवार कएल जा रहल अछि। एहि बीच जनता दल यूनाइटेड सेहो एहि खेल मे पाछू नहि अछि।  पटना मे जाहि तरहेँ पोस्टर वॉर चलि रहल अछि चुनावक सरगर्मी बढ़ा देलक अछि।

बिहार मे आब हरेक दल पोस्टर केँ माध्यम सँ जनताक बीच घुसपैठ करबाक कोशिश मे जुटल अछि। एही बीच बिहारक कोनो जिला मुख्यालय नहि बचल अछि जहाँ हरेक दिन नव-नव पोस्टर देखबा लेल नहि भेटैति अछि। एही कड़ी मे जदयू वृहस्पतिदिन एकटा नव पोस्टर जारी कएलक अछि। सड़क पर पोस्टर केँ माध्यम सँ संदेश दैत नवका नारा सेहो देलक अछि। नवका नारा अछि- ‘पूरा बिहार हमारा परिवार’  संगे पोस्टर मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक फोटो सेहो छपल गेल अछि।

बतादी जे बिहार मे चलि रहल सियासी खींचतानक बीच ई संदेश देबाक कोशिश कएल जा रहल अछि जे एनडीए एकजुट अछि। हालाँकि पोस्टर मे फेर एकबेर चिराग आ मांझी केँ जगह नहि देल गेल अछि। एहि पोस्टर सं एहिबेर भाजपा सेहो गायब अछि। सियासी गलियारा मे ई पोस्टर चर्चाक विषय बनल अछि। ई कोनो पहिल मौका नहि अछि जे पोस्टर सं लोजपा आ हम गायब अछि। लिखल गेल नव नारा सेहो नीतीश कुमार मंगलदिन एकटा कार्यक्रम मे स्वयं राजद पर तंज कसैत लालू परिवार पर हमलावर होइत कहने छलाह। आब देखबाक बात होयत जे एहि पोस्टरक जबाब मे विपक्ष की जबाब दैत अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here