बिहारक डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय लेलनि स्वैच्छिक सेवानिवृत्ति, आब एनडीए प्रत्याशीक रूप मे बक्सर सँ लड़ी सकैत छथि चुनाव

0
1248

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे प्रस्तावित चुनाव केँ ल’ गहमागहमी चलि रहल अछि। एहि बीच एकटा पैघ खबरि सामने आबि रहल अछि जे बिहारक पुलिस महानिदेशक गुप्तेश्वर पांडे द्वारा स्वैच्छिक सेवानिवृत्ति लेल देल गेल प्रार्थना पत्र केँ राज्यपाल स्वीकार क’ लेलनि अछि। गृह विभाग द्वारा जारी अधिसूचना केँ मुताबिक हुनक आवेदन स्वीकार क’ लेल गेल। आ फिलहाल ए.के सिंघल के प्रभार देल गेल अछि। मतलब साफ अछि जे पांडे अपन जिनगीक दोसर पारी राजनीति मे शुरू करय जा रहल छथि। बतादी जे गुप्तेश्वर पांडे 1987 बैचक आईपीएस अधिकारी छलथि। पुलिस सेवाक बाद राजनेताक रूप मे हुनक पारी केँ आब शुरुआत भ’ गेल। गुप्तेश्वर पांडेय डीजीपीक पद सँ स्वैच्छिक सेवानिवृत्ति ल’ चुनाव लड़य वला बिहारक पहिल अधिकारी छथि।

गुप्तेश्वर पांडेय अपन बेबाकी लेल जानल जाइत छथि। पैछला किछु दिन सँ चर्चाक केंद्र बनल छलाह। बिहारक युवा लोकनिक बीच जबरदस्त फैन फॉलोइंग छनि। 31 जनवरी 2019 केँ हिनका बिहारक पुलिस महानिदेशक पदक जिम्मेदारी देल गेल छल। 28 फरवरी 2021 क’ हिनक कार्यकाल पूरा होई वला छल। मुदा पाँच महिना पहिने स्वैच्छिक सेवानिवृति ल’ राजनीतिक जीवन मे भाग्य अजमेता एहन संकेत भेट रहल अछि। बतौर आईपीएस अधिकारी गुप्तेश्वर पांडेय 33 सालक कार्यकाल पूरा क’ चुकल छथि। पुलिस अधीक्षक सँ ल’ डीआईजी, आईजी आ एडीजी बनबा धरि राज्यक 26 जिला मे काज क’ चुकल छथि।

सियासी गलियारा सँ भेट रहल खबरि केँ मुताबिक विधानसभा चुनाव मे गुप्तेश्वर पांडेय केँ बक्सर या भोजपुरक कोनो सीट सँ एनडीएक उम्मीदवार बनाओल जा सकैत अछि। एहि बातक प्रबल संभावना अछि जे पांडे बक्सर सँ चुनावी मैदान मे उतरताह। किएक त’ पैछला 5-6 दिन सँ लगातार बक्सर मे कैंप क’ रहल छलथि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here