मुख्यमंत्री नीतीश पर तेजस्वीक निशाना, कहलनि- सुशासन मे बिना चढ़ावा नहि होइत अछि कोनो काज, बेरोजगारी लेल नीतीश जिम्मेदार

0
619

पटना, मिथिला मिरर  : बिहार मे चुनावी बयानबाजी तेज भेल जा रहल अछि। कोरोना काल मे चुनाव होयब आब सुनिश्चित भ’ चुकल अछि। बिहार चुनावी ढंग मे रंगल जा रहल अछि। आरोप-प्रत्यारोपक दौरा मे आब नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर निशाना साधलनि अछि। कहलनि जे मौजूदा सरकार केँ कारण बिहार मे करीब 7 करोड़ युवा बेरोजगार भ’ चुकल अछि। नीतीश सरकार हिनका सभक वर्तमान आ भविष्य दुनू बर्बाद भ’ चुकल अछि। नेता प्रतिपक्ष ट्वीट क’ पुछ्लनी अछि जे सरकार आखिर युवा सभकेँ रोजगार किएक नै दैत अछि। लालटेन मे दोष देखावै वला आईना मे चेहरा देख किएक नहि बता रहल अछि जे पैछला 15 साल मे बिहार मे कतेक रोजगार लेल उद्द्योग आ कल-कारखाना लागल।

अपन दोसर ट्वीट मे मुख्यमंत्री नीतीशक टांग खिचाई करैत चुनौती देलनि अछि जे सुशासन केँ नाम पर ढ़ोंग कएल जारहल अछि। एतबे नहि राज्यक कोनो थाना वा ब्लॉक पर बिना चढ़ावा कोना काज तक नहि होइत अछि। राज्य मे भ्रष्टाचार चरम पर अछि आ अपराध बेलगाम भ’ चुकल अछि। सरकार केँ चुनौती दैत कहलनि अछि जे जँ कोनो हमर बात पर शक सूबा होइन त’ भेष बदलि क’ हमरा संग चलौथ हकीकत पता चलि जेतनि।

विधानसभा चुनाव सँ पूर्व तेजस्वी केँ एही तरहक आक्रामक रुख देखि अंदाजा लगाओल जा सकैत अछि जे आबय वला समय मे चुनावी मंच कोन रंग मे रंगय जा रहल अछि। बढ़ी रहल जुबानी जंग क्तय जा रुकत एकर अंदाजा लगौनाइ एतेक सहज नहि थिक।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here