मुजफ्फरपुर यौन हिंसा मामलाक सुनवाई आब दिल्लीक साकेत कोर्टमे

0
618

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर :  मुजफ्फरपुर बालिका गृह यौन हिंसा मामलामे केंद्रीय कारामे बंद सातों आरोपीकेँ शुक्रदिन दिल्ली भेजल गेल। सभ आरोपीकेँ शनिदिन,23फरवरीकेँ दिल्लीक साकेत कोर्टमे पेशी कएल जायत। सभ आरोपीकेँ मुजफ्फरपुर स्टेशनसँ एके ट्रेनमे पुख्ता सुरक्षा व्यवस्थाकेँ बीच भेज देल गेल। ट्रेनक एकटा बोगीमे आरोपी सभके बैसा ओकरा बंद क’ देल गेल। ओहिकेँ बाद ओही बोगीमे कोनो यात्रीकेँ बैसबाक अनुमति नै देल गेल।

बतादी जे 23 फरवरीकेँ दिल्लीक साकेत कोर्टमे बालिका गृह मामलाक सुनवाई होयत। एहि मामलामे सभ बंदी आरोपीकेँ पेशी होयत। यौन हिंसा मामलामे स्थानीय केंद्रीय कारामे बंद मुख्य आरोपी ब्रजेशक सभसँ करीबी राजदार मधु, रामानुज ठाकुर, मो. साहिल, सीडब्ल्यूसीक पूर्व अध्यक्ष दिलीप वर्मा, बालिका गृहक मैनेजर रामाशंकर सिंह समेत सात आरोपित बंद अछि। एहिसँ पूर्व सभ आरोपीकेँ दिल्ली भेजबाक लेल सभ जरूरी तैयारि जेल प्रशासन क’ लेने छल। निर्धारित कार्यक्रमकेँ अनुसार, जेल प्रशासनक अधिकारी सभ आरोपीकेँ पुख्ता सुरक्षा व्यवस्थाक बीच स्टेशन पहुँचलाह।

साकेत पॉक्सो कोर्टकेँ सहयोग करत विभाग

बालिका गृह कांडक सुनवाई केँ ल’ समाज कल्याण विभाग साकेत विशेष कोर्टकेँ पूर्ण तरहें सहयोग करत। विभागक निदेशक राजकुमार एहि मामलामे हाईकोर्टक महानिबंधककेँ चिठ्ठी पठा ई जानकारी देने छलाह। निदेशक कहलनि जे सुप्र्रीम कोर्टक आदेशकेँ आलोकमे एहि केसकेँ बिहारक मुजफ्फरपुरसँ दिल्लीक साकेत कोर्ट स्थानांतरित कएल गेल छल। ओतहि एकर सुनवाई तीन महीनामे पूरा करबाक लेल सेहो कहल गेल अछि। एहिकेँ देखैत कोनो तरहक मददकेँ जरूरत होयत त’ विभाग सदिखन देबाक लेल तैयार अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here