कीर्ति फेर बरसलाह मोदी पर

0
365

पटना, मिथिला मिरर : दरभंगासँ भाजपाक निलंबित सांसद कीर्ति आजाद आई फेरो प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीकेँ खिलाफ आपत्तिजनक भाषाक उपयोग कएलनि। प्रधानमंत्री पर हमला करैत कीर्ति आजाद हुनका राजनीतिक ठग बतौलनि। संगे कहलाह जे आगामी लोकसभा चुनावमे युवा सभकेँ झांसा देबय वला जुमलेबाजी आब नकारा साबित होयत। प्रधानमंत्री पर आरोप लगबैत कहलाह जे प्रधानमंत्री द्वारा कएल गेल वादा जे हरेक व्यक्तिकेँ खातामे 15 लाख रुपैया आओत ओ कतय गेल? कीर्ति आजाद कहलनि जे विस्थापित कश्मीरी पंडितक संग प्रधानमंत्री छल कएलनि। साढ़े चारि सालमे हुनका लोकनिक पुनर्वास लेल की केलाह। प्रधानमंत्रीसँ सवाल कएलनि जे हरेक साल दू करोड़ युवाकेँ रोजगार देब कतय गेल? एतबे नहि हमसभ जखन अपन संसदीय क्षेत्रमे जाइत छी त’ युवा सभ हमरासँ सवाल पुछैत अछि जे की भेल रोजगारकेँ, हुनका सभक सवाल जायज छनि। जन धन योजनाक तहत त’ गरीब सभकेँ खाता खोलबा देलनि मुदा एकोटा रुपैया हुनका सभक खातामे नै आयल। विदेशसँ कालाधन नै आयल उलटे नोटबंदी क’ गरीबक पाई बैंकमे जमा करबा लेलनि।राम मंदिर निर्माणक मुद्दा पर कीर्ति आजाद कहलनि जे घोषणा पत्रमे शामिल क’ निर्माणक दिशामे कोनो कारवाई सरकार नै केलक जाहिसँ करोड़ों हिंदुक भावना संग खेलवाड़ भेल। ओहो तखन जखन केंद्र आ राज्यमे अपन सरकार छनि। कीर्ति आजाद एतबे पर नै रुकलाह हिंदू संस्कृतिकेँ हवाला दैत कहलनि जे दिवंगत आत्मा पर टीका टिप्पणी नै कएल जेबाक चाही, मुदा नरेंद्र मोदी पंडित नेहरू आ देशक एकता अखंडता लेल शहीद भेल इंदिरा गाँधी आ राजीव गाँधी पर लगातार हमला क’ भावना पर कुठाराघात केलनि अछि। आजाद कहलनि जे देशमे अखन सीमापर कोनो युद्ध नै भ’ रहल अछि मुदा, जवान लगातार शहीद भ’ रहल छनि। ई कूटनीतिक विफलताक दुषपरिणाम थिक। एतबे नहि प्रधानमंत्री 85 देशक यात्रा कएलनि मुदा विश्व जनमतकेँ अपना पक्षमे करबामे नाकाम साबित भेलाह। कीर्ति आजाद प्रधानमंत्रीक गुजरात मॉडल पर सवाल करैत कहलाह जे एकरे परिणाम अछि जे देशक सफेद धन नीरव मोदी जेहन अनेक लोकक माध्यमसँ बाहर चैल जाइत अछि। प्रधानमंत्री पर तंज कसैत कहलाह जे प्रधानमंत्री कहैत छलाह जे ,’ना खाऊंगा ना खाने दूंगा, लेकिन देश का पैसा मैं विदेश ले जाने दूंगा।’

कीर्ति आजाद द्वारा इ कोनो पहिल बेर प्रधानमंत्री पर आरोप नहि लगाओल गेल अछि। एहिसँ पहिने कतेको बेर एहन तरहक आरोप लगेने छथि। मालूम होयत जे साल 2015मे कीर्ति आजादकेँ बीजेपीसँ निष्काषित क’ देल गेल रहनि तहियासँ इ पार्टीकेँ खिलाफ आवाज उठबैत रहैत छथि। आबय वला चुनावमे एनडीए हिनका उम्मीदवार बनाओत संभावना नै देखाई द’ रहल अछि। तहन कोन पार्टीसँ चुनाव लड़ता इ आबय वला समयमे पता चलत।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here