अमेरिकामे देशक प्रतिनिधित्व करताह सहरसाक लाल लकी

0
1148

सहरसा, मिथिला मिरर : सहरसा जिलाक भद्दी गाम निवासी लकी आनंद अमेरिकामे होमय जा रहल  बॉडी पावर प्रतियोगितामे भारतक प्रतिनिधित्व करताह। मुंबईमे आयोजित सलेक्शन राउंडमे सिल्वर मेडलक संग दोसर स्थान हासिल क’ देशक प्रतिनिधित्व करबाक गौरव हासिल केलथि। एमेच्योर ओलंपिया प्रो कार्ड भारतमे पहिल बेर आयोजित कएल गेल छल।

जूनियर फिजिक मॉडलमे करताह प्रतिनिधित्व 
जूनियर फिजिक मॉडलकेँ रूपमे लकी भाग लेने छलाह। आब ओ जूनियर फिजिक मॉडलक रूपमे प्रतिनिधित्व करय वला देशक पहिल प्रतिभागी छथि। संगहि जनवरी महीनामे मुंबईमे आयोजित होमय वला राष्ट्रीय प्रतियोगितामे सेहो अपन मजबूत आ आकर्षक शरीरक जलवा देखेता।

पाँच घंटा धरि जिममे बहबैत छथि पसीना
इंजीनियरिंगकेँ तैयारीमे जुटल लकी आब बाडी बिल्डिंगक क्षेत्रमे कैरियर बनाबय चाहैत छथि। लकी बतौलनी जे पछिला एक सालसँ मजबूत कद काठी बनेबाक लेल लगातार मेहनत क’ रहल छथि। सभ दिन कमसँ कम पांच घंटा जिममे पसीना बहबैत छथि। एकर संग-संग खाय पिबा पर सेहो बहुत ध्यान दैत छथि। एतबे नहि डायट पर हर दिन 25 सौ रुपैया खर्च करैत छथि। ई खर्च मसल्स ब्लीचा कपंनीके द्वारा स्पॉन्सर कएल जा रहल अछि। ई कपंनी लाइफ टाइम धरि खर्च वहन करत। आगा बतबैत लकी  कहलाह जे ओ एक दिनमे एक किलो चार्जेज चिकन, 20 अंडा, मछली, ब्रोकली, मिल्क जूस सहित अन्य खाद्य चीज डायटमे लैत छथि। लकीक सफलतासँ हुनक भाई राज आनंद, पिता मुरारी सिंह राठौड़ आ माँ नीतू सिंह बहुत खुश छथि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here