कृषि विभागमे 2151 पद पर नियुक्ति प्रक्रिया शुरू

0
644

पटना, मिथिला मिरर : बिहार सरकारक कृषि विभागमे खाली पड़ल 2151 पद पर संविदाकेँ आधार पर नियोजनक प्रक्रिया शुरू भ’ गेल। इच्छुक अभ्यर्थी पाँच जनवरी धरि ऑनलाइन आवेदन क’ सकैत छथि। कृषि मंत्री डॉ. प्रेम कुमार बतोलनि जे मिशन ऑन एग्रीकल्चर एक्सटेंशन योजनाक क्रियान्वयन लेल राज्यमे जिला स्तर पर लेखापाल, आशु लिपिक सह लिपिक, प्रखंड स्तर पर तकनीकी प्रबंधक, सहायक तकनीकी प्रबंधक एवं लेखापालकेँ पद खाली थिक। उक्त पद पर नियुक्तिक प्रक्रिया शुरू क’ देल गेल अछि।

कृषि मंत्री बतोलनि जे खाली पदक संख्या, शैक्षणिक योग्यता, कार्य अनुभव, नियत मानदेय, आवेदन पत्र भरबाक प्रक्रिया आ नियोजनक अन्य शर्तें कृषि विभाग एवं बामेतीक वेबसाइट पर उपलब्ध अछि। प्रखंड स्तर पर तकनीकी मानवबलक रूपमे 476 प्रखंड तकनीकी प्रबंधक, 1287 सहायक तकनीकी प्रबंधक, कार्यालय कर्मीक रूपमे, दूटा जिला स्तरीय लेखापाल, नौ आशुलिपिक सह लिपिक आ 377 प्रखंड स्तरीय लेखापालक पद पर नियुक्ति होयत।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here