मुजफ्फरपुर बालिका गृह कांड: जाहि देवालक पाँछा सिसकैत छल बचिया सभक सिसकी, ओहि पर चलल हथौड़ा

0
545

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर :  मुजफ्फरपुरक साहू रोड पर स्थित जाहि बालिका गृहमे अनाथ आ बेसहारा बचिया सभक संग हैवानियत होइत छल ओहि मकान पर हथोड़ा चला  नेस्तनाबूद कएल जा रहल अछि। 13 दिसम्बर वृहस्पतिदिन मजिस्ट्रेट आ कार्यपालक अभियंता सुरेश कुमारक नेतृत्वमे नगर निगमक टीम बालिका गृह तोड़बाक काज शुरू क’ देलक। ब्रजेश ठाकुर जाहि जगह बालिका गृह बनोने छल ओ गली बहुते संकरी अछि। रस्ता चौड़ा नै हेबाक कारण पैघ मशीन ल’ गेनाइ मुश्किल छल आ आसपासक लोकक घरकेँ देखैत  नगर निगम प्रशसान बुलडोजरकेँ बदला मजदूरक मददी लेबाक फैसला लेलक।

मलबा हटेबासँ ल’ क’ तोड़बाक खर्चा 10 हजार रुपैया प्रति दिनक हिसाबसँ ब्रजेश ठाकुरसँ वसुल करत आ नहि देला पर हुनक संम्पत्ति जब्त क’ लेल जायत। ग्राउंड फ्लोर पर प्रात: कमल प्रेस बला भाग आ बालिका गृहक ऑफिस व अन्य जगहकेँ नहि खाली कएल गेल अछि, जाहि कारण पूरा घर तोड़वा पर सेहो संशय बनल अछि। हालाँकि नगर आयुक्त कहलनि जे जखन तक दू मंजिल तोड़ल जायत ओहि क्रममे प्रेसक सामान हटा देल जायत।एहि तरहें ब्रजेश ठाकुरक एकटा किला ढ़हेबाक काज शुरू भ’ गेल अछि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here