पाँच दिन धरि बंद रहत बैंक , 20 दिसम्बर तक बैंकसँ संबंधित निपटा लिय काज

0
1193

पटना/दिल्ली, मिथिला मिरर: जं बैंकमे अछि काज त’ 20 दिसंबर तक हर हालमे निपटा लिय, नै त’ अहाँक काज 26 दिसंबरक बाद होयत। चलान, ड्रॉफ्ट आ चेकसँ पेमेंटक लेन-देन करबाक अछि त’ वृहस्पतिदिन धरि क’ लिय नै त’ 21 सँ 26 दिसंबर धरि पाँच दिन धरि बैंक बंद रहत।

दरअसल, ऑल इंडिया ऑफिसर कन्फडरेशनक आह्वान पर 21 दिसंबरकेँ बैंक कर्मी केंद्रक  नीतिकेँ विरोधमे हड़ताल पर रहत। 22 केँ महिनाक चारिम शनि आ 23 दिसम्बरकेँ रविदिन हेबाक कारण बैंकमे छुट्टी रहत। बैंक यूनियन आइबॉकक जिला सचिव प्रशांत कुमार मिश्र कहलनि जे 20 दिसंबरकेँ एसबीआइसँ घंटाघर तक सरकारक नीतिकेँ विरोधमे बैंक अधिकारि  एकटा पैघ रैली निकालत। सोमदिन 24 दिसम्बरकेँ बैंक खुजत आ ओकर अगिला दिन यानि 25 दिसम्बर क’ बड़ा दिनक छुट्टी रहत आओर 26 क’ यूनाइटेड फोरमके तरफसँ फेर बैंकमे  हड़ताल रहत। एतेक दिन धरि बैंक बंद होयबाक कारण खाताधारक सभकेँ चेकक क्लीयरेंसमे दिक्कत भ’ सकैत अछि आ लोकसभकेँ कैश किल्लत झेलय पड़ी सकैत छनि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here