लकड़ीक पुरान जर्जर पोलसँ भ’ रहल अछि विद्युत आपूर्ति

0
366

बेगूसराय, मिथिला मिरर : बेगूसराय जिलाक सलौना गाममे विद्युत स्पर्शाघातसँ रोज भ’ रहल मौतकेँ बादो बिजली विभाग सक्रियता नै देखा रहल अछि। कतौ नंगा तार त’ कतौ टूटल लकड़ीक खंभासँ बिजलीक सप्लाई नित नव खतराकेँ आमंन्त्रित क’ रहल अछि। सलौना गाममे पुस्तकालय चौकसँ  पूर्व मुखिया रामसागर साहक घर तक लागल सभ खंभा पूरान आ जर्जर भ’ गेल अछि। संगहि बिजलीक तार मकर जाल जेना खंभा सभ पर पसरल अछि जाहि कारणसँ पोल पर सदिखन भारी दबाब बनल रहैत अछि। आश्चर्यक बात ई अछि जे जर्जर स्थितमे एहि खंभा सभकेँ किएक नै बदलल जा रहल अछि। अक्सर छोट पैघ घटनाक बाद ग्रामीण सभ हो-हंगामा करैत छथि। मुदा बिजली विभाग कुंभकर्णी नींदमे सूतल अछि।  ग्रामीण सभमे एहि बातक क्रोध छनि जे गाममे करीब आधा दर्जनसँ बेसी लकड़ीक पोल लागल अछि, जे एकदम जर्जर भ’ चुकल अछि आ ओहि पर तारक लोड।  कखनो हवाक तेज झोंकासँ धराशायी भ’ सकैत अछि। गाममे  सीमेंटक  पोल महीनोंसँ फेकल पड़ल अछि मुदा विभाग संवेदनहीन बनल अछि । ग्रामीण सभ कहैत छथि जे बिजली विभागक अधिकारी सभकेँ कतेको बेर चिट्ठी लिखल गेल आ हुनका लोकनिसँ भेंट क’ जानकारी देल गेल। तखन जा तार बदलवा लेल टेंडर निकाललक तकर साल भरिसँ बेसी भ’ गेल। अखनि तक काज अधूरा पड़ल अछि जाहिसँ सदिखन कुनो अनहोनीक आशंका बनल रहैत अछि। विद्युत विभागक कनीय अभियंता गौरीशंकर प्रसाद आ गामक मुखिया नाजमा खानम कहैत छथि जे शुरूमे टेंडर जाहि कंपनीकेँ देल गेल ओ काज नहि केलक जाहिसँ एहि योजनामे विलंब भेल। आब दोसर कंपनीकेँ टेंडर देल गेल अछि आ कंपनी काज क’ रहल अछि। बहुत जल्दिये गाम जर्जर पोल आ नंगा तारसँ मुक्त भ’ जायत।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here