एक सितंबरसँ डाकघर बनत बैंक, भेटत कतेको सुविधा

0
369

पटना, मिथिला मिरर : इंडियन पोस्ट पेमेंट बैंक (आइपीपीबी) भारत सरकारक बहुप्रतीक्षित आ महत्वाकांक्षी परियोजनामे सँ एक अछि। एकर उद्देश्य सुदूर गामक जनता तक सहज रुपें बैंकिंग सुविधा उपलब्ध करेनाइ अछि। एहि अन्तर्गत बिहारक सभटा जिलामे डाकघर भुगतान बैंक लगभग 8000 एक्सेस प्वाइंटक संग काज करत। एहि सेवाक उद्घाटन प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आगामी एक सितंबर क’ करताह। सम्पूर्ण मिथिला सहित बिहारमे वर्तमानमे  2.72 करोड़ डाकघर बचत बैंक खाता अछि जकरा आइपीपीबीसँ जोड़बाक अनुमति अछि। ओतहि पूरा भारतमे 17 करोड़ डाक बचत खाता एहि सँ जुड़ि जायत। एक सितम्बरसँ डाकघर भुगतान बैंक देशक सबसँ पैघ बैंकिंग नेटवर्क बनि जायत। पूर्वी क्षेत्र (बिहार)केँ पोस्ट मास्टर जनरल अनिल कुमार बतौलनी जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एक सितंबर क’ पूरा भारतमे 650 डाकघर भुगतान बैंक आ 3250 एक्सेस प्वाईंटक शुभारम्भ करताह। एहिके बादसँ पूरा देशमे इंडियन पोस्ट पेमेंट बैंक काज करय लागत। डाकघर भुगतान बैंक  खुजि गेलासँ शहरी आबादीक संग ग्रामीण जनताकेँ सेहो बैंकिंग सुविधा उपलब्ध भ’ जायत। एहि लेल आगामी 6 महिनामे सभ ग्रामीण डाकघरकेँ इंडिया पोस्ट पेमेंट बैंकसँ जोड़ि देल जायत। एहिके माध्यमसँ  अपन पैसा-कौड़ीक लेन-देन कोनो बैंक एकाउन्टक माध्यमसँ आसानीसँ हस्तांतरित क’ सकैत छथि आ एहिसँ कुनो प्रकारक बिलकेँ भुगतान सेहो क’ सकैत छथि।

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here